शास्त्र रहित सरस्वती
====================
====================
मां गै ओहि कोंख स हमहूं छी,
आ ओहि कोंख सs भईया,
भैया क कालेज पठबै छैं,
ओ दिन हमरा एतई कहिया?
आ ओहि कोंख सs भईया,
भैया क कालेज पठबै छैं,
ओ दिन हमरा एतई कहिया?
बाबूजी हरदम काहैत छथि,
धिया होईत ऐछ जननी,
तैयो व्यवहारक भूखल हम ?
की हम, मांगल गेल छी मंगनी?
धिया होईत ऐछ जननी,
तैयो व्यवहारक भूखल हम ?
की हम, मांगल गेल छी मंगनी?
मोन हमरो यs हमहूं पैढतऊं,
जिनगी पथ पर आगू बैरहतऊं,
दुनू हाथ हम पकैर तिरंगा,
रीति-कुरीति लs हमहूं लैड़तऊं!
जिनगी पथ पर आगू बैरहतऊं,
दुनू हाथ हम पकैर तिरंगा,
रीति-कुरीति लs हमहूं लैड़तऊं!
होई यs मोन चान हम छूबी ,
कठिन -भँवर नाव हम खेबी ,
हिलकोरक नईं लैत सहारा,
संस्कारक ओई धार मs डूबी!
कठिन -भँवर नाव हम खेबी ,
हिलकोरक नईं लैत सहारा,
संस्कारक ओई धार मs डूबी!
लक्ष्मी आई-काल्हि भार भूजई छथि,
सदी ईक्कीसम ठाड़ह पूछई छथि,
कर जोरि, हम समाज संs पूछी ?
धिया किया, आन कहबै छथि?
यौ धिया किया, आन कहबै छथि?
यौ धिया किया, कान कहबै छथि?
सदी ईक्कीसम ठाड़ह पूछई छथि,
कर जोरि, हम समाज संs पूछी ?
धिया किया, आन कहबै छथि?
यौ धिया किया, आन कहबै छथि?
यौ धिया किया, कान कहबै छथि?
-Manish Jha
0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें