जय मैथिली" जय मिथिला" जय मिथिलांचल" !!!जय श्यामा माई !!!!!सुस्वागतम- सुस्वागतम!!! समस्त पाठकगन के ब्लॉग पर स्वागत अछि |
समस्त मिथिला बंधुगनकें "ललन दरभंगावालाक" प्रणाम...मैथिल छी हम इए हमर पहचान" अपनें समस्त Site Viewers कें हमर एहि ब्लॉग पर बहुत बहुत स्वागत अछि" हम अपने सभक लेल ब्लॉग प्रस्तुत केने छी,तही हेतु इ ब्लॉग पर एक बेर जरुर धयान देब ...और अपन सुझाब ,कोनो तरहक रचना,चुटकुला वा कोनो तरहक समाचार जरुर मेल करब....

जालवृत्तक संगी - साथी |

जनकपुरधाम

जनकपुरधाम:-
मिथिला प्राचीन भारत मे एकटा साम्राज्य छल । ई पूर्वी गंगा मैदान मे अवस्थित अछि , जे आब आधा सँ अधिक बिहार और ओकरा सँ जुड़ल नेपालक भाग अछि । रामायण महाकाव्यक अनुसार मिथिला विदेह साम्राज्यक राजधानी छल । एहि शहरक पहचान नेपालक धनुषा जिला मे आजुक जनकपुर सँ कएल गेल अछि । विदेहक देश कखनो-कखनो मिथिला कहल जाईत अछि, जहन कि ई राजधानी छल । ई ठीक ओहिना अछि जेना कि कोशल साम्राज्यक राजधानी अयोध्या छल, जे कोशलक तुलना मे बेसी प्रसिद्ध भेल ।

डी. डी. कोशाम्बीक अनुसार शतपथ ब्राह्मण कहैत अछि कि माधब विदेघ पर पुजारी गोतम राहुगण शासन केलनि, जे पहिल राजा छलाह, जे सदानीरा (संभवत: गंडक ) नदी कें पार कऽ साम्राज्यक स्थापना कयलनि । एतयक लोक शतपथ ब्राहमणक संकलनक समय मे विदेहक नाम सँ जानल जाईत छलाह । गोतम राहुगण एकटा वैदिक ऋषि छलाह जे ऋग्वेदक पहिल मंडलक कतेको श्लोकक रचना कयलनि । ई श्लोक ओ अछि, जहि मे स्व- राज्यक प्रंशसा कयल गेल अछि, जे निर्विवाद रूप सँ विदेघ राज्य छल जे ध्वनि परिवर्तनक कारण बाद मे विदेह भऽ गेल । अत: माधव विदेघ निश्‍चित रूप सँ बहुत पहिने भऽ चुकल छलाह । ऋग्वेदक दशम मंडल मे काशिराज प्रातर्दन द्वारा रचित श्‍लोकक उल्लेख अछि । अत: मिथिला आ काशी ओहि भूभाग मे अवस्थित छल, जाहि मे ऋग्वेद कालक व्यक्ति रहैत छलाह । गोतम राहुगणक परवर्ती ऋषि लोकनि गौतम कहल गेलाह । एहने एकटा सन्यासी रामायण काल मे अहिल्या स्थानक नजदीक रहैत छलाह ।

मिथिलाक गाथा कतओक शताब्दी धरि पसरल अछि । ई कहल गेल अछि जे गौतम बुद्ध आ वर्धमान महावीर दुनू गोटे मिथिला मे रहल छलाह । ई प्रथम सहस्त्राब्दिक दौरान भारतीय इतिहासक केंद्र छल आ विभिन्न साहित्यिक आ धर्मग्रंथ संबंधी काज मे अपन योगदान देलक ।

मैथिली मिथिला मे बाजय जायवला भाषा थिक । भाषाविद मैथिली कें पूर्वी भारतीय भाषा मानलनि अछि आ एहि तरहें ई हिन्दी सँ भिन्न अछि । मैथिली कें पहिने हिन्दी आ बंगला दुनूक उप-भाषा मानल जाइत छल । वस्तुत: मैथिली आब भारतीय भाषा बनि चुकल अछि ।

मिथिलाक सभ सँ महत्वपूर्ण संदर्भ हिन्दू ग्रंथ रामायण मे अछि , जतए एहि भूमिक राजकुमारी सीता कें रामक पत्नी कहल गेल अछि । सीता राजा जनकक सीताक पिता छलाह, जे मिथिला पर जनकपुर सँ शासन केलनि । प्राचीन समय मे मिथिलाक अन्य प्रसिद्ध राजा भानुमठ, सतघुमन्य, सुचि, उर्जनामा, सतध्वज, कृत, अनजान, अरिस्नामी, श्रुतयू, सुपाश्यु, सुटयशु, श्रृनजय, शौरमाबि, एनेना, भीमरथ, सत्यरथ, उपांगु, उपगुप्त, स्वागत, स्नानंद, शुसुरथ, जय-विजय, क्रितु, सनी, विथ हस्या, द्ववाति , बहुलाश्‍व आदि भेलाह ।

’मिथिला, एहि क्षेत्र मे सृजित हिन्दू कलाक एक प्रकारक नाम सेहो थिक । ई विशेष कऽ वियाह सँ पूर्व महिला द्वारा घर के सजेबाक लेल घरक देबार आ सतह पर धार्मिक ज्यामितीय आ

चिहनांकित आकृति सँ शुरु भेल आ एहि क्षेत्र सँ बाहर एकरा नहि जानल जाइत छल । जहन एहि कलाक लेल कागजक शुरुआत भेल तँ महिला लोकनि अपन कलाकृति कें बेचय लगलीह आ कलाक विषय वस्तु कें लोकप्रिय आ स्थानीय देवताक संगहि प्रतिदिनक घटनाक चित्रांकन धरि विस्तृत केलीह । गंगा देवी संभवत: सब सँ प्रसिद्ध मिथिलाक कलाकार छथि । ओ परंपरागत धार्मिक मिथिला चित्रांकन, लोकप्रिय देवताक चित्रांकन, रामायण आ अपन जिनगीक घटना सँ दृश्यक चित्रांकन कयलनि ।

भौगोलिक सीमा आ जलवायु

मिथिला क्षेत्र गंगाक उत्तरी मैदान मे अछि । एहि क्षेत्रक मुख्य स्थान दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, समस्तीपुर, मधेपुरा, बेगूसराय, सहरसा, सीतमढ़ी, जनकपुर आदि अछि । जनकपुर आब नेपालक क्षेत्र मे अछि । एहि क्षेत्रक जलवायु मुख्यत: शुष्क आ ठंढ़ा अछि । गर्मी मे तापमान ३५ सँ ४५ डिग्री सेल्सियस आ जाड़ मे ५ सँ १५ डिग्री सेल्सियस रहैत अछि । एतय घुमबाक लेख फ़रवरी - मार्च आ अक्तूबर- नवंबर सब सँ नीक अछि ।

एहिठामक माँटि खेतीक लेल उपयुक्त अछि, जे क्षेत्रक मुख्य आर्थिक आधार अछि । कृषिक लेल पर्याप्त वर्षा होइत अछि ।

एहि क्षेत्र मे प्रतिवर्ष बाढ़ि अबैत अछि, जाहि सँ एहिठामक लोकक जिनगी मे कठिन समस्या अबैत अछि आ करोड़ों रुपयाक नोकसान होइत अछि । एहिठामक लोकक लेल किछु व्यक्ति द्वारा विभिन्न नदी पर बाँधक जरुरतिक अनुभव कएल गेल अछि । किछु अन्य कें एहि बातक भय सेहो छनि जे भूकंप- प्रवण क्षेत्र मे वृहत बाँध वार्षिक बाढ़ि सँ बेसी खतरनाक होयत ।

अर्थव्यवस्था

खेती एहि क्षेत्रक मुख्य आर्थिक कार्यकलाप थिक । मुख्य फ़सल धान, गहूम , दालि, मकई, मुँग, उडद, राहड़ि आदि आ जूट (एकर उत्पादन मे कमी आयल अछि) अछि । आई- काल्हि देशक आन भागक तुलना मे खेती नीक नहि रहबाक कारणें, ई सब सँ अधिक पिछड़ल क्षेत्र भऽ गेल अछि । बाढि हर वर्ष फ़सलक पैघ भाग कें नाश कऽ दैत अछि । उद्योगक अनुपस्थिति, कमजोर शैक्षिक अवसंरचना आ राजनीतिक अपराधीकरणक कारणें अधिकांश युवक कें शिक्षा आ आमदनीक लल स्थान परिवर्तन करय पड़ैत छनि । एहि परिवर्तनक उज्जवल पक्ष इ आछे जे ओ लोकनि भारतक प्रमुख क्षेत्र और स्थान मे महत्वपूर्ण भऽ गेलाह अछि ।

मिथिला पेंटिग आब बाजार मे हिस्सेदारी प्राप्त कयलक अछि । आब सरकार सेहो राष्ट्रीय धरोहरक रूप मे एकरा सहायता दऽ रहल अछि ।

व्यक्ति आ जीवन
ई भूभाग संस्कृति आ परंपरा मे धनी अछि । एतयक लोक अपन माता- पिताक आदर करैत छथि आ शांतिपूर्वक जीवन मे विश्‍वास रखैत छथि । ईश्‍वर पर अत्यधिक विश्‍वास करैत ओ सामान्यतया पैघ परिवार मे रहैत छथि । मुख्य सांस्कृतिक समारोह वियाह आ त्योहारक दौरान होइत अछि । फ़गुआ, दियावाती, दुर्गा पूजा, छठि, शिवराति, मधुश्रावणी (मुख्यत: नवविवाहित जोड़ा सँ संबंधित ) आ मोहर्रम धुमधाम सँ मनाओल जाइत अछि ।
एकटा छोट छीन फ़िल्म उद्योग सेहो अछि । मैथिल मे बनल अनेको फ़िल्म मे "सस्ता जिनगी महग सेनूर ", "ममता गाबय गीत" संभवत: अधिक जानल- मानल अछि । एहि भूभाग निवासी मैथिल कहबैत छथि ।

मूड़न मिथिलाक बहुत लोकप्रिय परंपरा अछि । मूड़न मे बच्चाक केश पहिल बेर काटल जाइत अछि । एहि मे भोजभात आ अन्य समारोह सेहो होइत अछि । कखनो- कखनो ई फ़िजूलखर्ची सेहो भऽ जा जाइत अछि । मिथिलाक सब सँ अपूर्व आ महत्वपूर्ण रिवाज एकर "वियाह" परंपरा अछि । एहि मे चतुर्थि सहित चारि दिनक वियाह समारोह, बरिसाइत, मधुश्रावणी, कोजगरा आ अंत मे दुरागमन (कनियाँक घर आयब) शामिल अछि । वियाह ब्राह्मण आ कर्ण- कायस्थक बीच वंश- विषयक सारिणी जे पंजी कहबैत अछि के प्रयोग कऽ कऽ परंपरागत रूप सँ निर्धारित कएल जाइत अछि ।

गोनू झाक खिस्सा पोता-पोती के सुनेबाक लेल दादीक लोकप्रिय खिस्सा अछि । मैथिली सुनबा आ बजबा मे एतेक मीठ आ कोमल अछि जे मैथिलक बीच गर्मागर्म बहसक अनुमान लगायब कठिन अछि ।


MITHILAK RAJA


मिथिला प्राचीन भारत मे हिमालय सँ लऽ कऽ गंगा नदीक बीच स्थित विदेह साम्राज्यक राजधानी छल । विदेह साम्राज्य भ्रांतिवश मिथिला साम्राज्यक रूप मे अधिक जानल जाइत अछि । मिथिलाक प्राचीन भाग आब भारत आ नेपालक भागक रूप मे बँटा गेल अछि । रामायण ग्रंथक अनुसार मिथिला विदेह साम्राज्यक राजधानी छल । एहि शहरक पहचान नेपालक धनुषा जिलाक आजुक जनकपुर सँ कयल जाइत अछि । एकरा जनकपुरधाम सेहो कहल जाइत अछि । एहि क्षेत्र के तीरभुक्ति (तिरूहतक प्राचीन नाम) सेहो कहल गेल अछि । विदेह या मिथिला साम्राज्यक उत्तर मे हिमालय, दक्षिण मे गंगा, पूब मे कोशी नदी आ पश्‍चिम मे गंडक नदी छल । एहि क्षेत्र मे दुनियाक धार्मिक इतिहासक दू आदरनीय व्यक्ति गौतमबुद्ध आ वर्धमान महावीर सेहो अपन पर्याप्त समय बितेलनि ।

प्राचीन इतिहास आ मिथक

पौराणिक गाथाक अनुसार निमि एहि क्षेत्रक पहिल राजा छलाह आ हुनक मृत्यु गुरु वशिष्ठ द्वारा देल गेल श्रापक कारणें भेलनि । हुनक मृत्युक बाद अराजकता पसरि गेल । तखन साधू सन्यासी लोकनि एकत्रित भेलाह आ निमिक आत्मा कें मानवीय रूप मे पुन: अयबाक प्रार्थना कयलनि । निमिक मृत शरीर के एहि आशा सँ चूर्णक रूप मे राखल गेल जे हुनक मृत शरीर पुन: मानवीय रूप मे आबि जाए । सन्यासी लोकनिक प्रयास सफ़ल भेलनि आ चूर्ण सँ मिथि (एकर अर्थ अछि माटि) उत्पन्न भेलाह । मिथिलाक नाम एहि मिथि राजा सँ लेल गेल अछि । ओ अपन राज्यक राजधानी मिथिलापुरी मे स्थापित केलनि आ एहि तरहें ई क्षेत्र मिथिला कहाओल । चूँकि हुनक जन्म अपन पिताक शरीर सँ भेलनि तें ओ जनक कहेलाह । एकरा बाद मिथिलाक राजा कें जनक कहल गेलनि । सब सँ प्रसिद्ध जनक सीरध्वज जनक (सीताक पिता) भेलाह। ओ मिथिलाक एकैसम जनक छलाह । ई साम्राज्य विदेह जनक कहल गेल । विदेह जनकक राजवंश मे ५२ गोट राजा भेलाह । ई क्षेत्र मूलत: विदेहक रूप मे जानल गेल । विदेह साम्राज्यक उल्लेख पहिल बेर यजुर्वेद संहिता मे भेल अछि । विदेहक राजधानी मिथिलाक उल्लेख जातक (बौद्ध सहित्य), ब्राह्मण, पुराण (वृहद विष्णु पुराण मे विस्तार सँ वर्णित) आ रामायण आ महाभारत एहन विभिन्न ग्रंथ मे भेल अछि । महाभारत और जातक मे राजाक सूची देल गेल अछि ।

जननक वंश परंपरा

रामायण काल धरि जनक

वाल्मीकि रामायण मे जनकक वंश परंपराक उल्लेख अछि । वाल्मिकी रामायण मे स्वयं राजा सीरध्वज जनक अपन पूर्ववर्ती राजाक उल्लेख राजा दशरथ (रामक पिता) सँ कयलनि अछि । वाल्मीकि रामायणक अनुसार जनक, जे मिथिला पर शासन केलनि, हुनक सूची एना अछि :

निमि



मिथि - मिथिलाक संस्थापक आ पहिल जनक
उदवसु
नन्दिवर्धन
सुकेतु
देवव्रत
ब्रिहद्व्रत
महावीसुध्रिति
दृष्टकेतु
हर्यस्व
मरु
प्रतिन्धक
क्रितिरथ
देवमिध
विभूत
महिध्रत
कीर्तिरत
महोरम
श्वर्णोरम
हरिस्वरोम
सीरध्वज - सीताक पिता



रामायण कालक पश्‍चात जनक :


भानुमान
शतद्युम्न
शुचि
उर्ज्नामा
क्रिति
आन्जन
कुरुजित
अरिष्टनेमि
श्रुतायु
सुपार्श्व
सृन्जय
क्षेमावी
आनेना
भौमरथ
सत्यरथ
उपागु
उपगुप्त
स्वागत
श्वानन्द
शुवर्चा
शुपार्श्व
शुभाष
शुश्रुत
जय
विजय
ऋत
सुनय
वीतहव्य
धृति
बहुलाश्व
क्रिति

जनकक पश्‍चात मिथिला
इ कहल जाइत अछि जे जनक राजवंशक अंतिम राजा- कीर्ति जनक अत्याचारी छलाह आ अपन प्रजा पर हुनक नियंत्रण नहि रहलनि । आचार्य (विद्वान व्यक्ति) लोकनिक नेतृत्व मे आम जन हुनका गद्दी पर सँ उतारि देलक । मिथिला साम्राज्यक एहि पतनक अवधि मे लिच्छ्वीक प्रसिद्ध गणतंत्रक वैशाली मे उदय भऽ रहल छल आ मिथिला क्षेत्र सदी ईसा पूर्व सातम सदीक आसपास लिच्छ्वी राज्यक अंग बनि गेल । पुन: छठम सदी ईसा पूर्व मगध साम्राज्यक अजातशत्रु लिच्छ्वी कें पराजित कऽ देलनि आ एहि तरहें मिथिला मगध साम्राज्यक नियंत्रण मे आबि गेल । एकरा बाद विभिन्न राजवंश यथा शिशुनाग, नंद, मौर्य, शुंग, कंठ, गुप्त, वर्धन आदि समय- समय पर एतय शासन केलनि । जनकक बाद पाँच- छह शताब्दी धरि, जा धरि कि राजा सलहेस राजा भेलाह मिथिला मे कोनो महत्वपूर्ण राजा नहि भेलाह । शैलेश जयवर्द्धन ओ महिसौधा- सिरहा (वर्तमान मे नेपाल मे) कें अपन राजघानी बनौलनि । ओ कतेको बेर तिब्बती आक्रमण सँ एहि क्षेत्रक रक्षा केलनि । आ तें हुनका जयवर्द्धन सँ शेलेंद्र (पहाड़क राजा ) कहल गेल । जे बाद मे सलहेस भऽ गेल ।

लगभग छ्ठम शताब्दी सँ नवम शताब्दी- पाल राजवंश

मिथिला पर प्राय: चारि दशक धरि पाल वंशक राजा शासन केलनि । पालवंश बौद्ध मतक अनुयायी छलाह । हुनक राजधानी बलिराजगढ़ (बाबूवरही -मधुबनी जिला) मे अवस्थित मानल गेल अछि । पाल वंशक अंतिम राजा मदनपाल छलाह । ओ कमजोर राजा रहथि आ हुनका आदिशूर सामंत सेनक सेना हरा देलकनि । पालवंशक प्रमुख राजा छलाह : -



" गोपाल (७५०-७७०)
" धर्मपाल (७७०-८१०)
" देवपाल (८१०-८५०)
" शुरपाल/महेन्द्रपाल (८५० - ८५४)
" विग्रहपाल (८५४ - ८५५)
" नारायणपाल (८५५ - ९०८)
" राज्यपाल (९०८ - ९४०)
" गोपाल ॥ (९४०-९६०)
" विग्रहपाल ॥ (९६० - ९८८)
" महिपाल (९८८ - १०३८)
" नयपाल (१०३८ - १०५५)
" विग्रहपाल ॥। (१०५५ - १०७०)
" महिपाल ॥ (१०७० - १०७५)
" शुरपाल ॥ (१०७५ - १०७७)
" रामपाल (१०७७ - ११३०)
" कुमारपाल (११३० - ११४०)
" गोपाल ॥। (११४० - ११४४)
" मदनपाल (११४४ - ११६२)
" गोविन्दपाल (११६२ - ११७४)

पाल वंशक संस्थापक गोपाल छलाह । ओ बंगालक पहिल स्वतंत्र बौद्ध धर्मावलंबी राजा छलाह आ लोकतांत्रिक चुनाव द्वारा गौड़ मे ७५० ई० मे सत्ता मे अयलाह । ई चुनाव ओहि समय अपना आप मे अद्‌भुत छल । ओ ७५०-७७० क बीच शासन केलनि आ पूरा बंगाल पर अपन नियंत्रणक विस्तार करैत अपन शक्तिक संचय केलनि । हुनक उत्तराधिकारी धर्मपाल (७७०-८१० ई) आ देवपाल (८१०-८५० ई ) उत्तरी आ पूर्वी भारतीय उपमहाद्वीप मे अपन नियंत्रणक विस्तार केलनि । पाल साम्राज्य सेन राजवंशक आक्रमणक कारण बारहवीं सदी मे बिखरि गेल ।


लगभग ग्याहरवीं सदी सँ १३वीं सदी - सेन वंश
सेनवंश हिन्दुत्वक अनुयायी छलाह आ तें मिथिलाक लोक, जे हिन्दुत्वक अनुयायी छल मदनपाल कें हरेबा मे सामंत सेन के मददि केलनि । सेन वंश मे ५ गोट राजा भेलाह :


हेमन्त सेन (१०७० ई.)
विजय सेन (१०९६-११५९ ई.)
बल्लाल सेन (११५९ - ११७९ ई.)
लक्ष्मण सेन (११७९ - १२०६ ई.)
विश्वरूप सेन (१२०६ - १२२५ ई.)
केशव सेन (१२२५-१२३० ई.)


लगभग १३वीं सदी सँ १४वीं सदी -कर्नाट राजवंश

नान्यदेव सेन वंशक राजा लक्ष्मण सेन के पराजित केलनि आ मिथिलाक राजा भऽ गेलाह । नान्य देव पश्‍चिम सँ एलाह आ अपन पहिल राजधानी सिमरौन गढ़ (बीरगंज) बनेलनि । संपूर्ण मिथिला कें जीतलाक बाद ओ अपन राजधानी कमलादित्य स्थान ( कमलादान ) हस्तांरित केलनि । अंधराठाढी नामक दोसर गामक उल्लेख सेहो कर्नाट लोकनिक राजधानीक रूप मे भेल अछि। एहि गाम मे ६ दर्जन पोखरि अछि, जाहि मे सँ २७टा नयनाभिराम मालाक मोती जकाँ अछि । ई पोखरि आपस मे एक दोसर सँ जुड़ल अछि आ बाढ़िक पानि सँ पुन: भराईक लेल सुगरवे नदी सँ सेहो जुड़ल अछि । कर्नाट राजा द्वारा निर्मित ई पोखरि सभ अद्‌भुत सिंचाई व्यवस्थाक नमूना अछि आ आठ सदी बितलाक बाद आइयो एकर उपयोगिता अछि । कर्नाट राजवंश मे सेहो पाँच गोटा राजा भेलाह :-

नान्य देव : महान योद्धा हेबाक अलावा नान्यदेवक संगीत मे सेहो खूब रूचि छल । ओ रागक वर्गीकरण आ विश्‍लेषण केलनि आ हास्य (हँसी) और श्रृंगार (सजावट) रसक लेल माध्य लय, करूण रसक लेल विलम्बित , वीर ( बहादुरी) क लेल द्रुत रस, रौद्र (क्रोध), अद्‌भूत (विचित्र) और भयानक (डरावना) रसक चयन केलनि । ओ संगीत पर एकटा वार्ता " सरस्वती हृदयालंकार " लिखलनि, जे भंडारकर अनुसंधान संस्थान पुणे मे सुरक्षित अछि ।


गंग देव
नरसिंह देव
शक्रसिंह देव


हरि सिंह देव - राजा हरिसिंह देव सब सँ बेसी प्रसिद्ध भेलाह । मैथिल ब्राह्मण आ मैथिल कायस्थ (कर्ण कायस्थ) मे पंजी व्यवस्था शुरू करब आ लागू करब मे प्रमुख सूत्रधार छलाह । ओ कला आ साहित्यक महान प्रेमी छलाह ।

पं० कामेश्वर ठाकुर हरिसिंह देवक दरबार मे राजकीय पुरहित छलाह, जे वर्ण रत्‍नाकर लिखलनि । वर्ण रत्‍नाकर कोनो उत्तर भारतीय भाषा मे लिखल गेल पहिल गद्य आ कोनो उत्तर भारतीय भाषाक विश्‍वकोष मानल जाइत अछि । पं० कामेश्‍वर ठाकुर ओईनवार-राजवंशक संस्थापक छलाह ।


१३२६ ई० सँ १५२६ ई० धरिक राजा- ओईनवार वंश

फ़िरोजशाह तुगलक १३२६ ई० मे मिथिला क्षेत्र पर आक्रमण केलक आ एकरा जीत लेलक । कर्नाट राजवंशक अंतिम राजा हरिसिंह देव नेपाल भागि गेलाह । इतिहासकार डॉ० उपेन्द्र ठाकुरक अनुसार अगिला २७ साल धरि मिथिला मे अराजकता व्याप्त रहल । १३५३ ई० मे फ़िरोजशाह तुगलक कामेश्‍अवर ठाकुर कें करद राजा बनेलनि । करद राजाक नियुक्ति सम्राट द्वारा कर इक्ट्‍ठा करबाक और भुगतान करबाक लेल और सेनाक रखरखावक लेल कएल गेल । कामेश्‍वर ठाकुर ओइनी गामक वासी छलाह, जे वर्तमान मे मुजफ़्फ़रपुर जिला मे अछि । राजवंशक नाम ओइनी गामक नाम पर ओइनवार राजवंश पड़ल । कामेश्‍वर ठाकुर विद्वान छलाह आ तें कर इकट्‍ठा कऽ कऽ फ़िरोजशाह तुगलक कें देबा मे असमर्थ रहलाह । आ तें हुनका गद्दी पर सँ उतारि देल गेल आ हुनक पुत्र भोगीश्‍वर ठाकुर कें मिथिला क्षेत्रक राजा बनाओल गेल । इ राजवंश भारतवर्षक किछु राजवंश मे सँ छल, जे ब्राहाण छल । तत्पश्‍चात मिथिला क्षेत्र मे केवल ब्राह्मण जाति सँ राजा भेलाह । ओइनवार राजवंशक राजाक सूची एना अछि । :
कामेश्‍वर ठाकुर - १३५३ ई मे फ़िरोजशाह तुगलक स्वयं प० कामेश्‍वर ठाकुर कें करद राजा नियुक्त केलनि ।


भोगीश्‍वर ठाकुर - कामेश्‍वर ठाकुर सक्षम शासक सिद्ध नहि भेलाह आ फ़िरोजशाह तुगलक कें कर इकट्‍ठा कऽ कऽ देबा मे असमर्थ छलाह । आ तें फ़िरोजशाह तुगलक हुनका गद्दी पर सँ हटा देलक आ हुनका स्थान पर हुनक पुत्र भोगीश्‍वर ठाकुर कें राजा बनेलक ।

गणेश्‍वर सिंह- अपन पिता भोगीश्‍वर ठाकुरक निधनक पश्‍चात गणेश्‍वर सिंह राजा भेलाह । गद्दी हड़पि लेबाक षडयंत्र मे असलान नामक व्यक्ति द्वारा १३६१ मे हुनक हत्या कऽ देल गेल । असलान हुनक दुनू पुत्र वीर सिंह आ कीर्ति सिंह के सेहो मारय चाहैत छल परन्तु ओ सफ़ल नहि भेल कारण हुनका सुरक्षित रुप सँ कतौ नुका देल गेल ।


कीर्ति सिंह - कीर्ति सिंह तुगलक शासक सँ मददि मँगलनि, जे मिथिला पर पुन: कब्जा जमेबाक लेल अपन सेना भेजलाह । तेहक लड़ाई मे आसलान आ वीर सिंह मारल गेलाह । कीर्ति सिंह राजा भेलाह परन्तु शीघ्रे हुनक निधन भऽ गेलनि ।

भवेश ठाकुर (भव सिंहक रूप मे सेहो जानल गेलाह) - ओ कामेश्‍वर ठाकुरक छोट पुत्र छलाह । चूँकि कीर्ति सिंह नि:संतान मरलाह, राज्य भवेश ठाकुरक छोट पुत्र छलाह ।

देव सिंह


शिव सिंह - ओ अपना कें स्वतंत्र राजा घोषित कऽ देलनि आ तुगलक साम्राज्य के करक भुगतान रोकि देलनि । तुगलक साम्राज्यक प्राधिकार के चुनौती देबाक हुनक निर्णयक कारणें इब्राहिम शाह तुगलक मिथिला पर आक्रमण केलक । युद्ध मे शिवसिंह मारल गेलाह ।
पदम सिंह - ओ शिवसिंहक छोट भाय छलाह ।

रानी विश्‍वास देवी - पदम सिंह कम उम्र मे संतान- हीन मरि गेलाह । हुनक मत्युक बाद हुनक पत्नी रानी विश्‍वास देवी मिथिला पर शासन केलनि, परन्तु ओहो शीघ्रे मृत्यु कें प्राप्त कऽ गेलीह ।

हरिसिंह - ओ पदमसिंहक पितीऔत भाई छलाह । चूँकि पदम सिंह नि:-संतान मरि गेलाह तें राजगद्दी हिनका भेटलनि ।

नरसिंह
धीरसिंह (१४५९ सँ १४८० ई०)

भैरव सिंह (१४८० सँ १५७५) - ओ लोकप्रिय राजा छलाह आ पोखरि खुनेनाई, रस्ता बनेबनाई , इनार खुनेनाई, मंदिर बनबेनाई आदि विभिन्न विकास संबंधी काज शुरु केलनि । ओ कला आ संस्कृतिक पैघ प्रेमी छलाह ।
रामचंद्र सिंह देव

लक्ष्मी नाथ सिंह देव - ओ ओइनवार वंशक अंतिम राजा छलाह । १५२६ ई० मे सिकन्दर लोदी मिथिला पर आक्रमण केलक और महाराज लक्ष्मीनाथ सिंह देव ओहि लड़ाई में मारल गेलाह ।

१५२६ सँ १५७७-अराजकताक काल

सिकन्दर लोदी अपन जमाय अलाउद्दीन कें एहि क्षेत्रक राजा बनौलनि । एहि अवधि मे दिल्ली मे मुगल साम्राज्यक जड़ि स्थिर भऽ रहल छल । अलाउद्दीन सफ़ल शासक नहि छलाह आ आगामी ५० वर्ष धरि मिथिला मे अराजकता पसरल रहल। जहन अकबर सम्राट भेलाह तँ ओ मिथिला मे सामान्य स्थिति बहालीक प्रयास केलनि । ओ एहि निष्कर्ष पर पहुँचलाह जे जा धरि मिथिलाक राजा मैथिल ब्राह्मण कें नहि बनाओल जाएत , ता धरि एतय शान्ति नहि होयत या कर नहि असूलल जा सकत । १५७७ ई० मे अकबर प० महेश ठाकुर के मिथिलाक शासक घोषित केलनि । प० महेश ठाकुर खरौड़े भौर मूलक छलाह आ तें हुनक राजवंश ’खंडवला कुल’ कहौलक आ एकर राजधानी मधुबनी जिला मे राजग्राम बनाओल गेल ।

१५७७ सँ १९४७- खंडवला राजवंश

राजा महेश ठकुर
राजा गोपाल ठाकुर - ओ राजा महेश ठाकुर ज्येष्ठ पुत्र छलाह । हुनक अचानक मृत्यु भऽ गेलनि आ । ओ बड़ कम्मे दिन शासन केलाह ।
राजा परमानंद ठाकुर - ओ राजा महेश ठाकुरक दोसर पुत्र छलाह । ओहो कम्मे दिन शासन केलनि ।
राजा शुभंकर ठाकुर (१६०७ मे मृत्यु ) - ओ राजा महेश ठाकुरक पाँचम पुत्र छलाह ।
राजा पुरुषोत्तम ठाकुर (१६०७-१६२३) - ओ राजा शुभंकर ठाकुरक पुत्र छलाह । ओ १६२३ मे मारल गेलाह ।
राजा नारायण ठाकुर (१६२३-१६४२)
राजा सुंदर ठाकुर (१६४२-१६६२)
राजा महिनाथ ठाकुर (१६६२-१६८४)
राजा निरपत ठाकुर- (१६८४-१७०० ई० धरि) - ओ अपन राजधानी राजग्राम सँ दरभंगा अनलनि । भारतक आजादी धरि दरभंगा हुनका लोकनिक शक्‍तिक केन्द्र बनल रहल ।
राजा रघु सिंह (१७००-१७३६) - राजा रघु सिंह दरभंगा आ मुज्जफ्फरपुर सहित पूरा सरकार तिरहुतक लीज १,००,००० टाका वार्षिक पर प्राप्त केलनि, जे ओहि समय मे एकटा पैघ रकम छल ।
राजा विष्णु सिंह (१७३६-१७४०)
राजा नरेन्द्र सिंह (१७४०-६०)
राजा प्रताप सिंह (१७६०-१७७६)
राजा माधो सिंह (१७७६-१८०८)
महाराजा छत्र सिंह बहादुर (१८०८-३९)
महाराजा रुद्र सिंह बहादुर (१८३९-५०)
महाराजा महेश्वर सिंह बहादुर (१८५०-६०)
महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह बहादुर (१८६०-९८)
महाराजा रमेश्वर सिंह बहादुर (१८९८-१९२९)
महाराजा कामेश्‍वर सिंह बहादुर (१९२९-१९४७) - १५ अगस्त १९४७ भारतक आजादी धरि, जहन सभटा राज्य भारतीय संघ मे शामिल भऽ गेल ।

II श्री सरस्वत्यै नमः II

II श्री सरस्वत्यै नमः II
ॐ शुक्लांब्रह्मविचारसार परमामाद्यां जगद्व्यापिनीं I वीणापुस्तक धारिणींमभयदां जाड्यान्ध्कारापहाम् II हस्तेस्फाटिकमालिकां विदधतीं पद्मसनेसंस्थितां I वन्देतांपरमेश्वरींभगवतीं बुद्धिप्रदाम शारदाम् II

माछक महत्व


हरि हरि ! जनम कि‌ऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पल‌इ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कब‌इ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खा‌एब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म कि‌ऎ लेल !
हरि हरि.



पग पग पोखैर पान मखान , सरस बोल मुस्की मुस्कान, बिद्या बैभव शांति प्रतिक, ललित नगर दरभंगा थिक l

कर भला तो हो भला अंत भले का भला

समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हमअहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........

अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........

एकता विकास के जननी छै

जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)


अहाँ अपन अमूल्य समय जे हमर ब्लॉग देखै में देलो तही लेल बहुत - बहुत धन्यवाद... !! प्रेम स कहू" जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल(बिहार),जय श्यामा माई -

अपना भाषा मै लिखू अपन बात

अपनेक सुझाव वा कोनो नव जानकारी निचा मै जरुर लिखू l

HTML Comment Box is loading comments...
Text selection Lock by Hindi Blog Tips

कतेक बेर देखल गेल