शहनाई के जगह लs लेलक,
अँग्रेजी केर बाजा,
राजा आई-कैल रंक बनल अई ,
रंक बनि चुकल राजा |||||
अँग्रेजी केर बाजा,
राजा आई-कैल रंक बनल अई ,
रंक बनि चुकल राजा |||||
हsर , घsर में जा कs बैसल,
ट्रैक्टर करय जोताई ,
विद्वान हाथ-पर-हाथ ध बैसला,
बुरबक पढय चौपाई |||||
ट्रैक्टर करय जोताई ,
विद्वान हाथ-पर-हाथ ध बैसला,
बुरबक पढय चौपाई |||||
घरक अन्न तीत भ चुकल ,
आब त चलै छै पिज्जा-मैगी,
माँ आ पिता बिसरि सब बैसल,
आब तs माँ भ गेल मम्मी,
आ पिता बनल छथि डैडी |||||
आब त चलै छै पिज्जा-मैगी,
माँ आ पिता बिसरि सब बैसल,
आब तs माँ भ गेल मम्मी,
आ पिता बनल छथि डैडी |||||
चरणामृत बनि गेल आई-कैल,
मदिरालय केर लस्सी,
गलती करैत मनुख ऐ सबटा,
बैल परै अछि खस्सी ||||
मदिरालय केर लस्सी,
गलती करैत मनुख ऐ सबटा,
बैल परै अछि खस्सी ||||
व्यवहारक छै लेस नैं ककरो,
सबटा करबै अछि मनिकंता (रु•),,
जेकरा लग छै पैसा अखन,
वैह कहबै अछि भगमंता |||||.
सबटा करबै अछि मनिकंता (रु•),,
जेकरा लग छै पैसा अखन,
वैह कहबै अछि भगमंता |||||.
•••••• Manish Jha
0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें