जय मैथिली" जय मिथिला" जय मिथिलांचल" !!!जय श्यामा माई !!!!!सुस्वागतम- सुस्वागतम!!! समस्त पाठकगन के ब्लॉग पर स्वागत अछि |
समस्त मिथिला बंधुगनकें "ललन दरभंगावालाक" प्रणाम...मैथिल छी हम इए हमर पहचान" अपनें समस्त Site Viewers कें हमर एहि ब्लॉग पर बहुत बहुत स्वागत अछि" हम अपने सभक लेल ब्लॉग प्रस्तुत केने छी,तही हेतु इ ब्लॉग पर एक बेर जरुर धयान देब ...और अपन सुझाब ,कोनो तरहक रचना,चुटकुला वा कोनो तरहक समाचार जरुर मेल करब....

जालवृत्तक संगी - साथी |

मिथिलाक खान-पान

आने वस्तुक सदृश मिथिलाक खान-पान सेहो अलौकिक अछि । एहिठाम जनवरी सँ दिसम्बर धरि जे पावनि-तिहारक एकटा पैघ परंपरा अछि, ताहि मध्य विभिन्न पावनि- तिहार मे विभिन्न तरहक खान-पानक सेहो अलगे महत्व अछि । तिला संक्रांतिक खिच्चड़ि, लाइ, चुड़लाइ, तिलबा आदि; फगुआक पुआ, मलपुआ आदि, जूड़िशीतलक टटका आ बासि बड़ी-भात, नाग पंचमीक घोड़जौर, मधुश्रावणीक केरा, दही, विविध मिठाइ आदि; चौठचंद्रक पुड़िकिया; कोजगराक पान-मखानक संग चूड़ा-दहीक भोजन; छठिक भुसबा, ठकुआ, पूरी आदि; लवान दिन मूड़ आ गूड़क संग चूड़ा-दहीक भोजन आदि दुनियाक अन्य भाग मे दुर्लभ । एकरा अतिरिक्त दिन-प्रतिदिनक भोजन मे ओल, एरकोंच, खम्हाउर, मुनिगा आदिक स्थान सेहो सर्वोपरि अछि । एहिठामक विभिन्न तरुआक अलगे नाम अछि संपूर्ण दुनिया मे । कुल मिला के मिथिला मे खान-पानक एकटा अलग परंपरा अछि । एहि ठामक बरियाती भोजनक सेहो अलगे स्थान अछि । बरियातीक लेल एखनो एतय नाना तरहक व्यंजन बनैत अछि । एकरा अतिरिक्त एहिठामक तिलौरि (तिल सँ बनल), तिसिऔरी (तीसी सँ बनल), अदौरी, दनौरी सहित बेटी के सासुर विदा करबाक काल पेटार मे देबय जाय वला विविध व्यंजनक अलगे महत्व अछि । एकर संख्या आ प्रकार ततेक अछि जे सभटाक नामो गिनायब दुर्लभ अछि आ सभटाक वर्णन तँ बुझू असंभवे । एहिठाम परिचय करा रहल छी अपने के मिथिलाक किछु महत्वपूर्ण व्यजन आ ओकरा बनेबाक विध सँ । एहि मे मिथिला विहार के कतेक सफलता भेटलैक अछि, तकर निर्णय तँ पाठके कऽ सकैत छथि ।


एहिठामक मिथिला के तरुआ के आपस मै नोक झोक :-




भिंडी
भिनभिनायत भिंडी के तरुआ, आगु आ ने रे मुँह जरुआ


हमरा बिनु उदास अछि थारी, करगर तरुआ रसगर तरकारी
कदीमा


गै भिंडी तोईं चुप्पहि रह, एहि सऽ आगु किछु नहि कह


लस-लस तरुआ, फचफच झोर,नाम सुनतहि खसतय नोर


खायत जे से खोदत दाँत, देखतहि तोरा सिकुड़ल नाक


हम कदीमा नमहर मोंट,भाग लैं नहि तऽ काटबौ झोंट


आलू


जमा देबय हम थप्पड़ तड़-तड़, केल हिन के सब हमर परि तर
 छै जे मर्दक बेटा तोय, आबि के बान्ह लंगोट
 तोय की बाजति छैं माटि तर स', बाजय जेना जनाना घर स'


हमरे पर अछि दुनिया राजी,आब ज' बाजलैं बान्हबौ जाबी
हमर तरुआ लाजवाब,नाम हमर अछि लाल गुलाब


परवल


बहुत दूर स' आबि रहल छी,ताहि हेतु भऽ गेल औं लेट हम्मर तरुआ सेठ खायत अछि,


ताहि हेतु नमरल छन्हि पेट दु फाँक कऽ भरि मसाला, दियौ तेल नहि गड़बड़ झाला दालि भात पर झटपट खाउ, भेल देर औफिस चलि जाउ


फूलकोवी


फूलकोवी के खुजल कान ,हमरे पर छह ऐतक शान l


हमर तरुवा होएछ अजीब , ककरो- ककरो भेल नसीब ll


तिलकोर


सुनि हाल तिलकोर पंच, हाथ जोड़ि के बैसल मंच
सुंदर नाम हमर तिलकोर,
 हमरा लत्तिक ओर ना छोर भेटी बिना मूल्य आ


दाम, मिथिला भर पसरल अछि नाम |


शाकाहारी खानपान :-




पुआ :


एहिठाम बताओल गेल पूआ आ अन्यत्र उपलब्ध पूआ मे इ अंतर अछि जे एहि पूआ मे चीनी मिलाओल गेल अछि आ एकरा चीनीक चासनि मे डुबयबाक काज नहि ।


सामग्री :


दूध : ५०० मि०ली०


चीनी : ३०० ग्राम


 मैदा : २५० ग्राम


किसमिस : किछु दाना


इलायची पाउडर : चौथाई चम्मच


सुखायल नारियल : किछु टुकड़ा


केड़ा : ४-५ टा


तरबाक लेल तेल विधि:-




दूध उबालि लिअ आ ठंढा होमय दिऔ । दूध मे चीनी मिलाउ आ ओकरा घोरि दिऔ । चीनी नीक जेकाँ घोरा गेलाक बाद दूध मे मैदा दिऔ । एकरा नीक सँ मिलाउ ताकि एहि मे गाँठ ने रहय । दूध आ मैदाक झोर बेसी पातर नहि हेबाक चाही । यदि इ पातर बुझाय तँ एहि मे आर मैदा मिला दिऔ । एकरा आधा घंटा तक छोड़ि दिऔ । एकरा बाद एहि झोर मे किसमिस, इलायची पाउडर, नारियल आ थकुचल केरा दऽ कऽ एकरा नीक सँ मिला दिऔ ।


कराही मे तेल गरम करू । कराही मे एक करौछ झोर दिऔ । तुरंते पुआ पुरी जेकाँ उठत । कम आँच पर पकाउ जा धरि कि दुनू दिस भूरा रंग के नहि भऽ जाय । पुआ ओनहिये या रबड़ीक संग लेल जा सकैत अछि ।


एहि बातक ध्यान राखल जाय जे केरा मिलाओल झोर के बेसी काल नहि राखू । यदि अहाँ सबटा झोर के पुआ नहि बनबय चाहैत छी तँ जतेक बनेबाक अछि ओतबे भाग मे केरा मिलाउ




पनीर परौठा :


सामग्री


आटा - आधा किलो, तेल - १०० ग्राम, पनीर - १०० ग्राम, धनीपात काटल - अंदाज सँ, नमक - १ चम्मच, मिरचाइ के बुकनी - एक चुटकी, हरियर मिर्चाइ द्स टुकड़ी




विधि - म आटा मे ,द चुटकी नमक मिलाउ, आटा के लरम कऽ कऽ सानि लिअ । आटा मे एक चम्मच तेल मिला कऽ फेर सानि ली । आटा के लोइया बना कऽ थोड़े बेल ली फेज ओइ पर तेल चप्कारि दी ।


ओम्हर पनीर के पीसि कऽ नमक, मिरचाइक बुकनी मिला ली । बेललाह परौठा पर एक चम्मच पनीर दऽ कऽ फेर सँ लोएया बना, परिथनि लगा कऽ हल्लुके हाथ सँ मध्यम आँच पर पका ली आ कोनो तीमन जे नीक लगैत हो तकरा सँग पनीर परौठाक स्वाद ली ।


मखानक खीर :
मखानक खीर मिथिलाक विशेष चीज थिक । मखान पानि मे पाओल जायत अछि । एकटा कहावतक अनुसार मखान, माछ आ पान स्वर्ग मे सेहो नै भेटैत अछि । मखानक खीर मिथिलाक लोकप्रिय डिश अछि । ई कुमार पूर्णिमा (कोजगरा) के नव विवाहित जोड़ा द्वारा अवश्य खायल जाइत अछि । बनेलाक बाद एकरा कने काल आकाशक नीचाँ मे रखबाक प्रथा अछि आ तकर बाद एकरा खायल जाइत अछि । इ मीठ खीर देशक आन भाग मे बनाओल जायवला कोनो खीर या पायस सँ अलग अछि । दोसर शब्द मे इ विशिष्ट डिश अछि, जे मिथिला मे बनाओल जाइत अछि आ प्रत्येक मैथिल के एहि पर गर्व छैक ।


सामग्री :


मखाना : ७५ ग्राम ,दूध : १ लीटर ,जयपत्र : २ ,इलायची : २,सुखायल नारियल : १० ग्राम


सुखायल छुहारा (काटल) : २० ग्राम,किसमिस : २५ ग्राम,मेवा (ऐच्छिक) : ५० ग्राम


चीनी : १०० ग्राम,मखान के कराही मे ३-४ मिनट तक भूजि लिअ । किछु काल ठंढा भेलाक बाद एकरा पीस लिअ । किसमिस के छोड़ि के सब किछु के काटि लिअ ।
बनेनाइ :
 जयपत्र आ इलायची सहित दूध के उबालि लिअ आ एकरा बेर-बेर मिलबैत रहू । दूध के गाढ करबाक लेल मेवा मिला सकैत छी । मखानक पाउडर के नारियल, छुहारा आदिक संग मिला दिऔ । एकरा कनेक काल बड़कय दिऔ । स्वादक अनुसार चीनी मिला दिऔ । आब एकरा ठंढा या गरम कोनो रूप मे किसमिस मिला के खयल जा सकैत अछि ।


बड़ी :-
सामग्री :
बदामक घाइट (बेसन) : आधा किलो,सरसों तेल : २०० ग्राम,नमक : अंदाज सँ
हींग : नाम मात्र ,जीर : एक चम्मच
बनेबाक विधि :-
घाइट के खूब नीक जकाँ पानि संगे फेनि लीअ आ जाँचक वास्ते लोटा या आन बासनक पानि मे एकटा बड़ी खोंटि कऽ देखि लीय । यदि ओ पानि मे हेलय लागल तँ बुझू जे घाइट नीक सँ फेनायल अछि । सरसों तेल कराही मे खूब नीक जकाँ करका लीअ । छोट-छोट बड़ी खोंटि के छानि लीय । सुसुम पानि मे बड़ी के सिद्ध हेबा लेल दीअऊ । पानि मे जखन बड़ी सिद्ध भऽ जाइ तऽ थोड़ेक बेसन घोरि कऽ मिला दिऔ जाहि सँ झोड़ गाढ़ भऽ जाय आ दू उधियानक बाद आगि सँ उतारि लीअ । जीर आ गरम मसाला के बुकनी अंदाज सँ मिला दिऔ । तेल, तेजपात, मिरचाइ आ हींग सँ खूब नीक जकाँ छौंकू आ तकरा बाद आनन्द लीअ बड़ी भात के ।

धात्री चटनी:-
सामग्री : -धात्री ५ टा, धनी पात अंदाज सँ, हरियर मिरचाइ २ टा आ नमक अंदाज सँ।
बनेबाक विधि :
धात्री के सिलौट पर चूरि कऽ ओहि मे सँ आँठी निकालि लीअ । धनी पात, मिरचाइ आ नमक मिला के खूब मेंही कऽ पीसि लीव । आब चटनी तैयार भऽ गेल । धात्रीक चटनी भात, रोटी, दही-चूड़ा आदि कोनो वस्तुक संग स्वादि कऽ खैल जा सकैत अछि ।


आमक खीर:-
सामग्री
दूध : १.५ ली०
बासमती चाउर : ७५ ग्राम
सुच्चा घी : २-३ चम्मच
आम : तीन टा (पाकल)
चीनी : १२५ ग्राम
बादाम : १०-१२ टा
किसमिस : १५-१६ दाना
किछु केसर, पीसल छोटका इलायची : अंदाज सँ
बनेबाक विधि :-
आम के छीलि के छोट-छोट कतरा काटि कऽ राखि लिअ । चाउर के धो के २० मिनट धरि पानि मे भिजा लिअ । बादाम के उसनि कऽ सेरा लिअ । तकरा बाद खोइया हटा कऽ छोट-छोट कतरा काटि लिअ । केसर के सुषुम पानि मे भीजा कऽ राखि लिअ । एकटा बासन मे सुच्चा घी गरमा कऽ ओहि मे भीजल चाउर, ईलाइची पाउडर, बादाम, किसमिस मिला कऽ भूजि लिअ । फेर एहि मे दूध मिलाऊ आर बीच-बीच मे हिलबैत रहू । आब आंच कम कऽ कऽ खीर के गाढ होइ धरि इंतजार करू, तखन ओहि मे चीनी दऽ दिऔ । सिद्ध भऽ जयबाक बाद एक तिहाई खीर दोसर बासन मे राखि कऽ कटल आमक कतरा राखू । फेर ऊपर सँ खीर राखू आर आम के कतरा सेहो राखू । एकरा बाद बचल सभटा खीर ऊपर सँ राखि दिअ । सेराइ के बाद फ्रीज मे राखि लिअ । नीक जंका सेरा गेला के उपरांत परसि लिअ ।
कटहर बहार :-
सामग्री : आधा किलो छिलल कमरी निकालल कटहर, आद दू टा पैघ टुकड़ा कद्दूकस कैल, हरियर मिरचाई छोट टुकड़ा काटल- चारि टा, धनियाँ गुच्छी - १ धो के काटल, पीसल धनियाँ - २ पैघ चम्मच, लाल मिरचाई पाउडर - आधा चम्मच, हरदि पीसल - चौथाई चम्मच, नोन - स्वाद के अनुसार, हींग, तेजपात, लवंग, ५ टा छोटकी अड़ांची, दालचीनी, जीर, दही एक बाटी, कड़ू तेल - एक बाटी, घी - १ पैघ चम्मच, गरम मसाला पीसल - १ छोट चम्मच


बनेबाक विधि :- छिलल आ कमरी निकालल कटहर के छोट-छोट टुकड़ा कऽ कऽ धो लिअ । चूल्हा पर कड़ाही चढ़ा कऽ आँच जराऊ । कड़ाही गरम भेला के बाद दू चम्मच तेल कड़ाही मे दियौ । कनी जीर फोड़न दऽ कऽ कटहर के टुकड़ा तेल मे दियौ । कनी नोन आ हरदि दऽ कऽ झाँपि दियौ । आँच कम करू । दस मिनट तक उलटि-पलटि कऽ भुजला के बाद कड़ाही मे सँ कटहर निकालि लिअ । आब बचल तेल कड़ाही मे दियौ । गरम भेला के बाद लवंग, अड़ाँची, जीर, हींग, तेजपात. दालचीनी के फोड़न दियौ । तड़कलाक बाद आद दियौ । सब पीसल मसाला एक चम्मच पानि दऽ कऽ घोरि कऽ आद भुजला के बाद दियौ । कनी काल मसाला एकसार होबऽ दियौ । दोसर आँच पर दू गिलास पानि गरम करु । गरम पानि कटहर मे दऽ दियौ । आँच कम कऽ दियौ । कटहर सिद्ध भेला पर घी, गरम मसाला, हरा धनियाँ दऽ कटल हरियर मिरचाइ दियौ । गरम-गरम भात संग खाउ ।
कटहर के कटलेट :
सामग्री: -
कटहर- पाव भरि छिलल कमरी निकालल आ छोट टुकड़ा कयल, प्याज-१ टा पैघ, आद- १ पैघ टुकड़ा, हरियर मिरचाई - ४ टा, पुदीनाक पात, दालचीनी - १ टुकड़ा, नोन - स्वादक अनुसार, हरदि- स्वादानुसार, कार्नफ्लोर १ पैघ चम्मच, तेल - १ बाटी
बनेबाक विधि :-कटहर के टुकड़ा के धो लिअ । प्रेशर कुकर मे कनी नोन आ हरदि, दालचीनीक संग उसीन लिअ ।
प्याज, आद, हरियर मिरचाई, पुदीना सब के धो कऽ छोट टुकड़ा कऽ लिअ । कटहर के टुकड़ा ठंढ़ा भेला पर नोन आ सब कटल मसाला मिला आ कार्नफ्लोर मिला कऽ हाथ सँ नीक जकाँ मसलि दियौ । आब आँच पर कड़ाही चढ़ा गरम भेला पर तेल दऽ दियौ । तेल गरम भेला पर कटहर के छोट-छोट लोइ बना कऽ हाथ सँ दबा कऽ तरि कऽ निकालि लिय । गरम-गरम परसू ।
कटहर के गोली :
सामग्री :-
कटहर- पाव भरि छिलल कमरी निकालल आ छोट टुकड़ा कयल, नोन - स्वादानुसार, काजू- बदाम, किशमिश, पिस्ता सब १५-१५ टा, छोटकी अड़ाँची - ५ टा, सातु - २ चम्मच, घी - १ बाटी


बनेबाक विधि :- कटहर के टुकड़ा के नोन दऽ कऽ उसीन लिअ । काजू, बदाम, पिस्ता सब के कतरि लिअ । किशमिश मिलाऊ । अड़ाची बूकि कऽ ओइ मे मिला दियौ । कटहर ठंढ़ा भेला पर हाथ सँ नीक जकाँ मसलि लिअ । कनी नोन आ सातु मिला कऽ छोट-छोट गोली बनाऊ । बीच मे दबा कऽ कटल मसाला भरु । गोली बन्द करू । आँच पर घी गरम करू । ओइ मे ई गोली उलटि-पलटि कऽ तरु ।
कटहर के कोफ्ता :-
सामग्री : -
कटहर- पाव भरि छिलल कमरी निकालल आ छोट टुकड़ा कयल, प्याज-१ टा पैघ, आद- १ पैघ टुकड़ा, हरियर मिरचाई - ४ टा, टमाटर - दू टा पैघ लाल, धनियाँ गुच्छी - १ धो के काटल, पीसल धनियाँ - २ पैघ चम्मच, लाल मिरचाई पाउडर - आधा चम्मच, हरदि पीसल - चौथाई चम्मच, नोन - स्वाद के अनुसार, लवंग - ५, ५ टा छोटकी अड़ांची, जावित्रीक फूल - आधा टुकड़ा, दालचीनी, तेजपात- २ टा, नारियल कद्दुकस कैल - १ कटोरी, कड़ू तेल - एक बाटी, घी - १ पैघ चम्मच, गरम मसाला पीसल - १ छोट चम्मच, कार्न फ्लोर - १ पैघ चम्मच,


बनेबाक विधि :- कटहर धो कऽ नोन, हरदि, दू टा अड़ाँची, २ टा लवंग, आधा टुकड़ा दालचीनी, एक टुकड़ा जावित्री दऽ कऽ एक बाटी पानि दऽ कऽ प्रेशर कुकर मे तीन- चारि सीटी लगा कऽ उसीन लिअ । ठंढ़ा होबऽ दियौ । प्याज, आद, हरियर मिरचाई, हरा धनियाँ सब धो कऽ छोट-छोट काटि लिअ। टमाटर कद्दूकस कऽ लिअ । उसनल कटहर के खूब नीक जकाँ हाथ सँ मसलि लिअ । नारियल मे आधा आद, हरियर मिरचाइ आ हरा धनियाँ मिलाऊ । कटहर के छोट-छोट गोली बना कऽ ओई मे नारियल बला मसाला भरु । गोली बन्द कऽ दियौ । आब कड़ाही मे तेल गरम करू । कार्नफ्लोर एक कटोरी मे दऽ कऽ दू चम्मच पानि मिलाऊ । कटहरक गोली कार्नफ्लोर मे डुबा कऽ तेल मे उलटि पलटि सुनहरा होबऽ तक तरि कऽ निकालि लिअ । दोसर आँच पर २ पैघ बाटी पानि गरम होबऽ लेल चढ़ा दियौ । आब तेल मे तेजपात, लौंग, अड़ाँची, दालचीनी के फोड़न दियौ । तड़कला के बाद प्याज दियौ । सुनहरा होबऽ तक भूजू । तखन कद्दुकस कैल टमाटर मिलाऊ । तखन तक भूजू जखन मसाला एक सार भऽ जाय आ टमाटर के महक निकलि जाय । ओकर बाद गरम कैल पानि कड़ाही मे दियौ । रस खदकि गेलाक बाद कोफ्ता दियौ । ५ मिनट बाद घी, गरम मसाला, हरा धनियाँ, हरियर मिरचाई कटल दऽ कऽ आँच बन्द कऽ दियौ । गरम परौठाक संग खाय मे नीक लागत ।
दूध बगिया :-
ई दूध मे बनाओल जाइत अछि आ मिथिला मे दूध बगियाक नाम सँ जानल जाइत अछि । दूध बगिया विशेष कऽ पूष मास (जनवरी) मे नवजात शिशुक ‘पूषट’ मनेबाक लेल बनाओल जाइत अछि।
सामग्री:-
नवका चावलक आटा : १ कप,दूध : ५ कप,काजू : १-२ चम्मच काटल
सूखा नारियल : १ चम्मच काटल,बादाम : १-२ चम्मच काटल
पिस्ता : १ चम्मच (सजेबाक लेल),चीनी : इच्छानुसार


बनेबाक विधि :-
गुनगुना पानि सँ चावलक आटाक पेस्ट बनाउ आ ओकर एक-डेढ़ इंच बगिया बना लिअ । दूध के एकटा बरतन मे दऽ कऽ उबालैक लेल आँच पर चढ़ा दियौ । जहन इ उबलि जाय तँ एहि मे काजू, नारियल, बदाम आ बगिया दऽ कऽ मिला दियौ आ दस मिनट धरि एकरा बनय दियौ । आब बगिया के आँच पर सँ उतारू आ पिस्ता सँ सजा के परसू ।
आलूक साना :-
आलूक साना मिथिलाक लोकप्रिय डिश अछि । इ दू विध सँ बनाओल जाइत अछि । किछु लोक एहि मे सबटा मसाला काँच देब पसंद करैत छथि तँ किछु लोक मसाला सभ के भूजि के देब पसंद करैत छथि । दूनू विधिये तैयार कएल गेल साना लोकप्रिय अछि ।


सामग्री :-
छिलका सहित आलू : ६ टा मध्यम आकार के,काटल प्याज : ७५ ग्राम
काटल लहसून : ३० ग्राम,काटल महीन हरियर मिरचाइ : १० ग्राम


हल्दी पाउडर : २ चुटकी,सरसों तेल/रिफाइंड - सब किछु के फ्राय करबाक जोगर
काटल धनिया पत्ता : १५ ग्राम,सरसोंक दाना : ४-५ ग्राम,नमक : स्वाद के अनुसार


 बनेबाक विधि :-
छिलका सहित आलू के उबालि लिअ । छिल्का हटा के एकरा मिला लिअ । एहि मे गाँठ नहि रहक चाही । एकटा बरतन मे अलग सँ तेल के गरम करू आ ओहि मे सरसोंक दाना दऽ दियौ आ प्याज, लहसुन, हरियर मिरचाइ के नमक, हल्दीक संग फ्राय करू । फ्राय कएल गेल सामग्री के मिलाओल गेल आलू मे दऽ दियौ । एहि मे काटल धनिया पत्ता दऽ दियौ आ एकरा मिला दियौ । आब अहाँक डिश तैयार अछि ।


एकरा दोसरो तरह सँ तैयार कएल जा सकैत अछि । एहि विधि मे उपरका सामग्रीक अलावा नीबूक रस आ अचारक मसाला (एक चम्मच)क आवश्यक्ता होइत अछि । एहि विधि मे मसाला सब के फ्राय करबाक बदला एकरा सीधे मिलाओल आलू मे दऽ देल जाइत अछि । आ ओहि मे अचारक मसाला आ किछु बूंद नेबोक रस मिला देल जाइत छैक ।
झूआ बैंगन :
बैंगन सँ बनल इ मिथिलाक प्रसिद्ध तरकारी अछि । जिनका बैंगन पसन्द छनि ओ निश्चिते रूप सँ एकरा पसन्द करताह ।
सामग्री:-


बैंगन : ५०० ग्राम (पातर आ नमहर),इमली : १०० ग्राम


गुड़ : १०० ग्राम,जीरा पाउडर : १ चम्मच,धनिया पाउडर : १ चम्मच


हलदी पाउडर : १ चम्मच,लाल मिर्च पाउडर : १/२ चम्मच,किचेन किंग मसाला : २ चम्मच
बनेबाक विधि :-
बैंगन के पहिने आधा काटू आ पुन: लंबाई दिस सँ चारि टुकड़ी करू ताकि एक दिस जूड़ल रहय । इमली के २५० मि०ली० पानि मे भिजा दियौ आ एकरा १ धंटा धरि छोड़ि दियौ । तकर बात इमलीक बीया के हटा दियौ आ मिश्रण के एक कात मे राखि लिअ । तेल के खूब गरम करू । मध्यम आँच पर बैंगन के कनेक काल फ्राय करू । एकरा अलग सँ राखि लिअ ताकि एकर अतिरिक्त तेल निकलि जाय । कनेक तेल के अलग बरतन मे गरम करू । तेल गरम भेला पर ओहि मे पंचफोरना दऽ दियौ । तेल मे सबटा मसाला दऽ दियौ आ एकरा मिला दियौ । मसाला के नीक सँ पकय दियौ । इमलीक पानि आ गुड़ मिला दियौ आ ५ मिनट धरि गरम होमय दियौ । बैंगन मिला दियौ आ आर ५ मिनट धरि बनय दियौ । झोर के ठंढ़ा होमय दियौ ताकि ई कनेक गाढ़ भऽ जाय । एहि मे धनिया पत्ता मिला दियौ । आब अहाँक व्यंजन तैयार अछि ।
आलूक दम :-
आलूक दम के आलूक रसगुल्ला सेहो कहल जाइत अछि । मासुक जगह आलू दऽ कऽ सेहो एहि डिश के तैयार कएल जाइत अछि ।


सामग्री:-
आलू : ४०० ग्राम (छोट आकारक),प्याज : २५० ग्राम,लहसुन : दूटा नमहर आकार के


अदरक : कनेक ,हरियर मिरचाइ : ६ टा,तेजपत्ता - १० (ऐच्छिक),गरम मसाला : एक चम्मच


धनिया पाउडर : १ चम्मच,कारी गोल मिर्च पाउडर : १/२ चम्मच,देशी घी : २ चम्मच


नमक, हल्दी : स्वाद के अनुसार


बनेबाक विधि :-
प्याज के महीन सँ काटि लिअ आ लहसुनक पेस्ट तैयार कऽ लिअ । प्याज के कराही मे दियौ आ भूरा हेबा धरि एकरा फ्राय करू । एहि मे लहसुन के पेस्ट मिला दियौ । एकरा नीक सँ भूजि लिअ। आलू के छील लिअ आ एहि मे छेद बना दियौ ताकि ओहि मे मसाला घूसि सकै । आलू के प्याज-लहसुन के मिश्रण मे दऽ दियौ आ एहि मे नमक, हल्दी पाउडर, गरम मसाला मिला दियौ । एकरा ४-५ मिनट धरि फ्राय करू आ कूकर मे राखि दियौ । १० मिनट एकरा प्रेशर कूकर मे पका दियौ । गैस खतम भेलाक बाद ओहि मे दू चम्मच देशी घी मिला दियौ । अहाँक आलू दम तैयार अछि ।
कचरी :-
कचरी मिथिला मे सब सँ नीक जलखै मानल जाइत अछि । कचरी संग सब सँ नीक खेबा जोग जे वस्तु होइत अछि से थिक मुरही आ झिल्ली । किछु लोक कचरीक संग चूड़ा भुज्जा खाएब सेहो पसंद करैत छथि । कचरीक संग साँझ मे जलखै मिथिला मे सब सँ नीक मानल जाइत अछि । कुल मिला के इ सब सँ नीक जलखै थिक, जाहि सँ केओ इंकार नहि कऽ सकैत अछि ।
सामग्री;-
प्याज - २५० ग्राम,बेसन - २०० ग्राम,नमक - स्वाद के अनुसार,लहसुन पीसल - २० ग्राम
अजबैन - ३-४ ग्राम,सरसों तेल - ४०० मि.ली.


बनेबाक विधि :-प्याज के महीन सँ काटि लिअ । एहि मे बेसन, नमक, लससुन पीसल आ अजबैन मिला दियौ । एहि मे पानि दऽ कऽ एकर पेस्ट बना लिअ । पेस्ट मे कोनो गाँठ नै रहक चाही । कराही मे तेल के नीक सँ गरम करू । कराही मे पेस्टक छोट-छोट टुकड़ी दऽ दियौ आ एकरा नीक सँ फ्राय होमय दियौ जा धरि की ई भूरा रंगक ने भऽ जाय । एकरा तेल सँ बाहर निकालू आ झिली या मुरहीक संग खाऊ। कचरीक स्वाद लच्छा प्याज आ नीबूक रस, नमक, मिर्चक मिश्रणक संग सेहो लेल जा सकैत अछि ।
चाउरकखीर :  -                                                                                                                                                               
चाउरक खीर मिथिलाक एकटा प्रसिद्ध भोजन अछि, जे मिथिला मे प्राय: हर अवसर पर बानाओल जाइत अछि । एक दिस जतय इ भोजनोपरांत डिशक रूप मे काज करैत अछि, ओतय दोसर दिस इ अतिरिक्त डिशक रूप मे सेहो काज करैत अछि, जेना कि दाइल वला पूरीक संग । एहि डिशक तुलना एहने बंगाली डिश सँ सेहो कएल जा सकैत अछि, जेकरा ओतय "पायस" कहल जाइत अछि । पायस आ खीर मे कनेक फरक इ अछि जे मैथिल एकरा सामान्यतया नवका बासमती चाउर सँ बनबैत छथि, जहन की बंगाली एकरा मोहनभोग चाउर सँ । दुनूक स्वाद मे सेहो कनेक फरक रहैत छैक ।


सामग्री:-
बासमती या मोहनभोग चाउर - ७५ ग्राम,मक्खन वला दूध - २ लीटर,चीनी - १०० ग्राम


किसमिश - ५० ग्राम,काजू - ५० ग्राम,इलायची - ४,गुलाब जल - २ चम्मच (ऐच्छिक)
बनेबाक विधि :-
चाउर के धो के भिजा लिअ । किसमिश के सेहो भिजा लिअ । दूध के इलायचीक संग उबालि लिअ। एकरा ततेक उबालि लिअ जे इ लगभग आधा लीटर कम भऽ जाय । भीजल चाउर के दूध मे दऽ दियौ आ नीक सँ पकय दियौ । एकरा लगातार लाड़ैत रहू । चाउर नीक जेकाँ पाकि गेला आ एकरा गाढ़ भऽ गेलाक बाद एहि मे चीनी आ काजू दऽ दियौ । आब खीर तैयार अछि ।


ठढिया सागक तीमन:-
इ बहुत नीक सामग्री अछि जे चपाती आ चावल दुनूक संग लेल जा सकैत अछि । एकर पोषक महत्व सेहो बहूत छैक कारण लाल पालक लोहाक स्रोत अछि तँ मसूर मे प्रोटीन रहैत अछि । एकर तुलना फ्रांसिसी पूरी सँ सेहो कएल जा सकैत अछि । एहि मे पनीर मिला के या आन कोनो चीज यथा झींगा आदि मिला के एकरा मांसाहारी डिश सेहो बनाओल जा सकैत अछि ।
सामग्री:-
ठढिया साग/लाल साग (लाल पालक) - ५०० ग्राम,मसूर दालि - ७५ ग्राम


हरियर मिरचाइ - ३-४,मंगरैल - ४ ग्राम,सूखा मिर्च पाउडर - ४ ग्राम


सरसों तेल - १० मि.ली.,गरम मसाला पाउडर - २ चुटकी,नमक - स्वाद के अनुसार


बनेबाक विधि :-ठढिया साग के चुनू, साफ करू आ धो लिअ । एकर छोट-छोट टुकड़ा बना लिअ, यदि एकर आकार नमहर अछि । दालि के धो कऽ कने काल भिजा दियौ । दालि, साग, काटल हरियर मिर्च कने नमक के संग प्रेशर कूकर मे दऽ दियौ आ एहि मे तीन-चारि सीटी लागय दियौ । गैस खतम भऽ गेलाक बाद मिश्रण के नीक सँ मिला दियौ । आब कराही मे तेल गरम करू आ एहि मे मंगरैल आ लाल मिर्च पाउडर दऽ दियौ । पुन: एहि मे साग दऽ दियौ । एकरा कनेक काल गरम कऽ दियौ आ गाढ़ होमय दियौ । आब ठढ़िया सागक तीमन तैयार अछि ।
दालि-झिंगुनी:-
इ मिथिलाक बहूत लोकप्रिय सामग्री अछि । एकरा रोटी आ चावल दुनूक संग लेल जा सकैत अछि। इ कहल गेल अछि जे दालि-झिंगुनीक संग आन कोनो सब्जीक जरुरत नहि होइत अछि, कारण इ सब्जी आ दालि दुनूक काज करैत अछि । किछु लोक एकरा सूप के रूप मे सेहो उपयोग करैत छथि। एहि डिश के तैयार करब सेहो बड़ आसान अछि । सब सँ पहिने झुमनी के काटि के कारी सरसोंक संग तरि लिअ आ एकरा दालिक संग मिला दियौ । एहि मे अदरकक पेस्ट मिला के एकर स्वाद अलग सेहो बनाओल जा सकैत अछि । अदरक मिलेला सँ डिशक रंग बदलि जाइत अछि । जतय धरि दालिक किस्मक बात अछि एहि मे कोनो दालि मिलाओल जा सकैत अछि । एहिठाम मसूर आ चना दालिक मिश्रणक २:१ मे उपयोग कएल गेल अछि ।


सामग्री:-
झिगुनी - ३०० ग्राम,दालि (मसूर आ चनाक मिश्रण)- १०० ग्राम


अदरक - ३० ग्राम,काला सरसों - १ चम्मच,सरसों तेल - ३० मि.ली.
बनेबाक विधि :-


झिंगुनी के धो के छील आ काटि लिअ आ ठंढा पानि मे भीजबाक लेल छोड़ि दियौ । नमक आ हल्दीक संग दालि के चुनलाक आ साफ केलाक बाद उबालि लिअ । अदरक के पेस्ट बना लिअ । तेल के करही मे गरम करू आ ओहि मे सरसोंक दाना दऽ दियौ । अदरक के पेस्ट एहि मे मिला दियौ आ एकरा फ्राय करू । आब झिंगुनी दऽ दियौ आ एकरा सेहो फ्राय करू । एखन एहि मे नमक नै दियौ, कारण नमक मिलेला सँ झिंगुनी सँ पानि निकलय लागत । जहन झिगुनी बनि जाय आ आकार मे छोट भऽ जाय तँ एहि मे नमक दऽ दियौ। आब एहि मे उबालल दालि के दऽ दियौ आ ५-७ मिनट तक गरम करू । अंत मे एहि मे गरम मसाला दऽ दियौ । आब दालि-झिंगुनी तैयार अछि ।
टमाटर के चटनी :-


इ बनेबा मे आसान अछि आ बहूत दिन धरि राखलो जा सकैत अछि । मिथिला मे भोज मे एकर उपयोग बहुतायत सँ होइत अछि ।


सामग्री:-


काटल टमाटर,कनेक तेल,स्वाद के अनुसार नमक


ड्राय फ्रूट (ऐच्छिक),कनेक मेथी


काटल हरियर या लाल मिर्च


बनेबाक विधि :-
टमाटर के छोट-छोट टुकड़ी मे काटि लिअ ताकि इ नीक सँ पाकि जाय । ड्राय फ्रूट के सेहो छोट-छोट टुकड़ा मे काटि लिअ । तेल के कराही मे गरम करू । मेथी आ हरियर आ लाल काटल मिर्च एहि मे दियौ । एहि मे काटल टमाटर दियौ, नमक दियौ आ एकरा ढ़कि के कम आँच पर बनाउ । बीच-बीच मे लाड़ैत रहू आ फेर ढ़कि दियौ । ई ध्यान राखू जे टमाटर पेस्ट बनि जाय । टमाटर बनि गेला पर एहि मे स्वाद के अनुसार चीनी मिला दियौ । यदि इच्छा हो तँ ड्राय फ्रूट सेहो मिला दियौ । आर ४-५ मिनट तक पकाउ । आब टमाटर के चटनी तैयार अछि । धनिया पात मिला के चटनी के ठंढा या गरम परसू । एकरा फ्राय आ काटल प्याज के संग सेहो बनाओल जा सकैत अछि। लेकिन एहि चटनी के बेसी दिन धरि राखल नहि जा सकैत अछि । लेकिन बिना प्याज मिलल चटनी के बेसी दिन धरि राखल जा सकैत अछि । चीनी के बदला मे जगरी या गुड़क व्यवहार सेहो कएल जा सकैत अछि ।


मीठ आ खट्‌टा चटनी मे पिट्‌ठी :-


सामग्री:-
१०० ग्राम आटाक पिट्‌ठी मिश्रण,काटल टमाटर - २५० ग्राम,टमाटर पूरी - आधा टिन


काटल धनिया पत्ता - १० ग्राम,नमक आ पीपर - स्वाद के अनुसार,लाल मिर्च पाउडर - आधा चम्मच


हींग - ४-५ ग्राम,महीन काटल प्याज - १५० ग्राम,अदरक आ लहसुन के पेस्ट - ४० ग्राम


हल्दी - ४-५ ग्राम,चीनी - २ चम्मच,जीरा - १ चम्मच


बनेबाक विधि :-
पिट्‌ठी के खूब गरम पानि मे उबालि दियौ । कराही मे तेल दियौ आ ओहि मे जीरा दऽ दियौ आ लहसुन-अदरक पेस्ट आ काटल प्याज के हींग के संग कने फ्राय करू । एहि मे कने नमक, हल्दी आ लाल मिर्च पाउडर मिला दियौ । काटल टमाटर मिला दियौ आ एहि मे कने चीनी सेहो दऽ दियौ । जहन टमाटरक पानि सुखा जाय आ मिश्रण सुखा जाय तँ ओहि मे टमाटर पूरी मिला दियौ ताकि एकर रंग बेहतर भऽ जाय आ एकरा कराहीक बाँकी सामग्री मे नीक सँ मिला दियौ । जहन चटनी मे गाढ़ापन भऽ जाय तँ एहि मे पिट्‌ठी मिला दियौ । कनेक कालक बाद एकरा आँच पर सँ उतारि दियौ । आब पिट्‌ठी तैयार अछि । एकरा काटल धनिया पत्ता मिला के परसू ।
दाल पिट्‌ठी:-
दाल पिट्‌ठी मिथिला मे बहुत लोकप्रिय अछि । एकरा शाकाहारी आ मांसाहारी सामग्री मे बनाओल जा सकैत अछि ।


सामग्री:-
आटा - १०० ग्राम,अरहर दाल - ७५ ग्राम,सरसों तेल - १० मि.ली.,जीरा - २ चुटकी


हींग - १-२ ग्राम,नमक आ हल्दी - जरुरत के अनुसार,काटल धनिया पाउडर - २५ ग्राम


पनीर - ७५ ग्राम,हरियर मिर्च - १० ग्राम


बनेबाक विधि :-
पिट्‌ठी के लेल नरम आटा गूँथि लिअ । दालि के पका लिअ । काटल हरियर मिर्च के पेस्ट बना लिअ । पनीर के महीन कऽ लिअ आ एकरा काटल धनिया पत्ता मे मिला दियौ । एहि मे नमक आ पीपर दऽ दियौ । आटाक छोट टुकड़ी लिअ आ एहि मे मिश्रण के भरू आ एकरा बंद कऽ दियौ । दालि के प्रेशर कूकर मे बना लिअ । एहि मे पिट्‌ठी दऽ दियौ । एकरा ८-१० मिनट तक आँच पर चढ़ा दियौ। आब दालि पिट्‌ठी तैयार अछि । पिट्‌ठी मे मांसाहारी वस्तु जेना मांस या कांकोरक चोखा के भरि के एहि मे परिवर्तन सेहो आनल जा सकैत अछि ।


गोदिला पिट्‌ठी :-


जेना की नामे सँ स्पष्ट अछि, एकरा गोदिला आ पिट्‌ठी के मिला के बनाओल जाइत अछि । गोदिला हरियर मटर के पीस के बनाओल जाइत अछि ।


सामग्री:-


१०० ग्राम आटाक पिट्‌ठी,हरियर मटर - ३०० ग्राम,प्याज - २०० ग्राम
अदरक आ लहसुन के पेस्ट - ५० ग्राम,जीरा पाउडर - १५ ग्राम,धनिया पाउडर - १५ ग्राम,घी - १० ग्राम,टमाटर - ७५ ग्राम,गरम मसाला - सभ तरहक


बनेबाक विधि :-
हरियर मटर के उबालि के एकर पेस्ट बना लिअ । ५० ग्राम प्याज के पेस्ट बना लिअ आ बाँकी के काटि लिअ । टमाटर के काटि लिअ । तेल या घी के कराही मे गरम करू आ एहि मे गरम मसाला मिला दियौ । जहन इ कड़कय लागय तँ एहि मे प्याज दऽ दियौ । कनेक काल भूजि के एहि मे अदरक, लहसुन आ प्याज के पेस्ट मिला दियौ आ चुटकी भरि नमक आ हल्दी एहि मे दऽ दियौ । पाउडर वला मसाला मिला दियौ आ एकरा नीक सँ बनाउ । मसाला पाकि गेला पर काटल टमाटर मिला दियौ । एहि मे मटर के पेस्ट के मिला दियौ आ मसालाक संग २-३ मिनट धरि फ्राय करू । आब एहि मे पानि दऽ दियौ । एकरा ८-१० मिनट धरि मध्यम आँच पर पकाउ । आब गोदिला पिट्‌ठी तैयार अछि ।


बैगन, आलू आ अदौरी के मिलौनी :-


ई मिथिला मे प्रयुक्त लोकप्रिय डिश थिक, जेकर उपयोग रोटी आ चावल दुनूक संग कएल जा सकैत अछि । ई अदौरिक संग बनै वला मिश्रित सामग्री थिक । एकरा बनेबाक लेल मुख्य सामग्री बैगन, आलू आ अदौरी थिक, तथापि किछु लोक एहि मे मूली, टमटर, बंद गोभी आदि सेहो दऽ दैत छथि तथा यदि एकरा पंचफोरना सँ छौंकल जाय, तँ एकर अलगे स्वाद लगैत अछि । एकर सभ सब्जी पहिने अलग-अलग बनाओल जाइत अछि आ बाद मे एकरा मिला देल जाइत अछि आ उबालल जाइत अछि ।


सामग्री:-


बैगन - २००ग्राम ,आलू - १५० ग्राम,मूली - १०० ग्राम ,टमाटर - ५० ग्राम


रेप्सिड तेल - २० मि.ली.,पंचफोरना (तोरी, जीरा, मेथी, मंगरैला आ सौंफ) - ३-४ ग्राम


धनिया पाउडर - १० ग्राम,लहसुन पीसल - १० ग्राम,नमक - स्वाद के अनुसार


धनिआ पत्ता - १० ग्राम


बनेबाक विधि :-
 टमाटर आ बैगन के काटि लिअ । आलू के छिल्का सहित उबालि लिअ आ छिल्का उतारि के एकरा तोड़ि दियौ । मूली के सेहो काटि लिअ । अदौरी के अलग सँ फ्राय कऽ लिअ आ एकरा अलग सँ राखि लिअ । लहसुन के नीक सँ काटि लिअ ।
 बरतन मे तेल गरम कऽ लिअ आ ओहि मे पंचफोरना दऽ दियौ । मसाला फूटला पर ओहि मे काटल लहसुन दऽ दियौ । धनिया पाउडर आ मिर्च पाउडर (ऐच्छिक) दऽ दियौ आ एकरा ता धरि भूजू, जा धरि कि एकर कच्चापन नै चलि जाय । टमाटर दऽ दियौ आ एकरा जल्दी गलबाक वास्ते एहि मे कनेक नमक दऽ दियौ । आब कनेक काल मसाला मे बैगन भूजू । एकर बाद आलू दऽ दियौ आ एकरा नीक सँ मिला दियौ । अहाँ एहि चरण पर मूली सेहो दऽ सकैत छी । सभटा के नीक सँ मिला दियौ । कने पानि मिला दियौ आ एकरा उबलय दियौ । १० मिनट ठंढा होमय दियौ । आब अहाँक व्यंजन तैयार अछि । आब एहि मे काटल धनिया पता मिला कऽ परसू ।


लिट्टी ;-


लिट्टी बिहार मे जलखै या रातिक भोजनक सब सँ प्रसिद्ध सामग्री थिक । मिथिला मे जाड़क दौरान ई बेसी प्रसिद्ध अछि । एहि मे केलोरी कम रहैत अछि आ ई नीक उच्च फायबर भोजन थिक । बैगनक भर्ताक संग लिट्टी खेबाक मजे किछु अलग अछि ।


सामग्री :-
गहूमक आटा - दू कप,पानि - १/२ कप ,नमक - १/२ चम्मच


भरबाक लेल सातु - १ कप ,लहसुन (काटल) - ४ दाना,अदरक (काटल) - एक चम्मच


हरियर मिर्च (काटल) - २,धनिया पत्ता (काटल) - दू चम्मच


मंगरैला - १/२ चम्मच,अजमैन - १/२ चम्मच,नीबूक रस - २-३ चम्मच


अचारक मसाला (मिर्चक अचार सर्वोत्तम) - २-३ चम्मच,सरसों तेल - २ चमच
बनेबाक विधि :-
भरै वला सभ सामग्री के सत्तु के संग मिला दियौ । एहि मे कने पानि दऽ दियौ ताकि ई भरै मे आसानी होइ । एकरा अलग सँ राखि लिअ । आटा के सानि लिअ आ एहि मे स्वाद के लेल कनेक नमक दऽ दियौ । आटाक गोली बना लिअ । एकरा हाथ सँ गंहीर कऽ लिअ । एहि मे २-३ चम्मच सत्तूक मिश्रण दऽ कऽ एकरा बंद कऽ दियौ । ई सुनिश्चित करू जे एहि मे कोनो छेद नहि रहय आ आटा सँ सत्तू नीक जेकां झपा जाइ । जहन सभटा काँच लिट्टी तैयार भऽ जाय तँ एकरा ओवन मे दऽ कऽ ता धरि गरम करू जा धरि कि ई भूरा नहि भऽ जाय आ एहि पर कारी-कारी धब्बा नहि आबि जाय । एहिना दोसरो दिस भूरा करू । बाहर निकालि के एकरा शुद्ध घी या मक्खन मे डुबा दियौ आ बैगन के भर्ताक संग एकरा परसू । गरम-गरम खाउ ।


मक‍ई के रोटी :-


मिथिला मे उपजयवला विभिन्न अनाज मे मक‍ई सेहो प्रमुख अछि । गहूमक रोटीक अलावा एतय चाउर, बदाम, मक‍ई, मरुआ, खेसारी आदिक रोटी सेहो प्रमुखता सँ बनाओल जाइत अछि । एहि ठाम प्रस्तुत अछि मक‍ई के रोटी बनेबाक विधि ।


सामग्री :-
मकै के आटा - ३०० ग्राम,घी - २० मि.ली.


बनेबाक विधि:-


मक‍ई के आटा के पानिक संग सानि लिअ । एकरा चारि भाग मे बाँटि लिअ । एक भाग के उठाऊ आ एकरा ०.५ सें.मी. मोट आ १०-१२ सें.मी. व्यास (गोलाय)धरि ठोकू । एकरा तवा पर दुनू बगल सँ सेकू । एहि मे घी लगाउ आ नमक आ मिर्चक संग परसू । आटा सानबाक समय १५-२० ग्राम प्याज आ अदरक आ कनेक अजवायन आ नमक सेहो मिलाओल जा सकैत अछि । एहि सँ मक‍ई के रोटी मे स्वाद बढ़ि जायत ।


चाउर के रोटी ;-


चौरक रोटी मिथिलाक संग पूरा बिहार मे सामान्य भोजनक रूप मे उपयोग कयल जाइत अछि । यद्यपि सामान्य गहूमक रोटी जेकाँ ई पूरा देश मे प्रसिद्ध नहि अछि, तथापि एकर स्वाद बहुत नीक होइत अछि ।


सामग्री :-
चाउरक आटा - २ कप,मक‍ई के आटा - १/२ कप (ताकि बनेबाक समय रोटी टूटय नै)


कनेक घी बनेबाक समय मे उपयोग करबाक लेल
बनेबाक विधि :-


चाउरक आ मक‍ईक सूखायल आटा के मिला लिअ । आटा मे कनेक गरम पानि दऽ कऽ मिला दियौ। आटा सानि लेलाक बाद कनेक काल एकरा छोड़ि दियौ । आँच पर तवा चढ़ा दियौ आ एकरा गरम होमय दियौ । मिश्रण मे सँ कनेक लिअ आ एकरा गोल आ पातर बेलू । तवा पर एक दिस रोटी के सेकि लिअ आ एकरा उन्टा दियौ । जा धरि दोसर दिस रोटी सेकाय पहिलुका दिस कनेक घी लगा दियौ । आब एकरा उन्टा दियौ आ दोसर दिस सेहो कनेक घी लगा दियौ आ रोटी के नीक सँ पकाउ। रोटी बनेबा मे किछु सावधानी राखक चाही जेना कि पानि हल्का गरम हेबाक चाही । रोटी के बेर-बेर नहि पलटू । एहि सँ एकर स्वाद खराब भऽ जाइत अछि । सरसों तेलक उपयोग नहि करू । घीक बदला डालडाक उपयोग कयल जा सकैत अछि । एकरा अचारक आ मसालादार करीक संग खेला सँ ई बड़ नीक लगैत अछि ।
रसगुल्ला :-




सामग्री : -
दूध २ लीटर, मैदा- १ चम्मच, चीनी- १ कप, गुलाब जल - १ चम्मच ।
बनेबाक विधि :
दूध के औंट ओहि मे नेबो गाड़िकऽ फारि लीअ । दूध आ पानि अलग भऽ गेला पर कपड़ा मे छानिकऽ छेना अलग कऽ लिअ । किछु काल छेना के मोटरी बान्हि कऽ लटका दिऔ, जाहि सँ पानि नीक जकाँ गरि जाय । छेना के खूब नीक जकाँ साइन लिअ आ मैदा मिलाकऽ छोट-छोट गोली बना लिअ । तदुपरान्त चीनी के दू कप पानि मे खौला ली । तकरा बाद कम आँच पर चासनी मे गोली के १५ मिनट तक बरकाबी । सिद्ध भऽ गेला पर रसगुल्ला फूलि जायत । आब रसगुल्ला निकालू आ ओहि पर गुलाब जल छीटि फ्रीज वा आन ठंढा स्थान मे राखि दिऔ । ठंढा भऽ गेला पर रसगुल्लाक आनंद लीअ । रसगुल्ला एहन हेबाक चाही जे लिबलिब्बी मे गुदगुद्दी लगबैत भीतर चलि जाय ।
ठकुआ या खजूर:-
ठकुआ या खजूर मिथिलांचलक परंपरागत व्यंजन थीक । पावनि-तिहारक मौका पर ई अवश्य बनाओल जाइत अछि । ई भुरभुरा, नरम, पैघ, छोट अनेक तरहक होइत अछि, परन्तु सभक बनेबाक विध प्राय: एके तरहक होइत अछि ।
सामग्री:-
मैदा : ५०० ग्राम,सूजी : ५०० ग्राम,चीनी : ५०० ग्राम,दूध : २५० ग्राम,घी : १०० ग्राम
छुहारा : ५० ग्राम,इलायची पाउडर : २० ग्राम,सूखा नारियल : ५० ग्राम,किसमिश : ५० ग्राम
सौंफ : २० ग्राम,तरबा लेल घी : ५०० ग्राम
बनेबाक विधि :-
सभ ड्राय-फ्रुट के महीन सँ काटि लिअ । सबटा के दूध आ घी सहित मिला के एकटा कटोरी मे राखि लिअ । एहि मे कनेक पानि छीटि दियौ । ई मिश्रण कनेक कड़ा हेबाक चाही आ इ हाथ मे चिपकक नहि चाही । मिश्रणक छोट-छोट टुकड़ी बना लिअ । गैस पर एकटा कराही चढ़ा दियौ । इहि मे घी दऽ दियौ । कनेक काल धरि गरम होमय दियौ । मिश्रणक छोट-छोट टुकड़ी के नीक सँ तरू जा धरि की ओ भूरा रंगक नहि भऽ जाय । कराही सँ एकरा निकालि लिअ । आब अहाँक डिश तैयार अछि । यदि ठकुआ के बंद डिब्बा मे राखल जाय तँ इ १५ दिन धरि सुरक्षित रहैत अछि ।






मांसाहारी खानपान


मारा माछक झोर:-




मारा माछ ४-५ सें०मी० आकारक होइत अछि । एकरा देह पर छिलका नहि होइत अछि । इ बनेबा मे एतेक आसान अछि जे एकरा बनेबा मे बेसी तरबाक प्रयोजन नहि होइत अछि ।
सामग्री:-
मारा माछ : ३०० ग्राम,सरसों : ५० ग्राम,सरसों तेल : ५० मि०ली०,हरदि पीसल : ५ ग्राम
नमक : स्वादक अनुसार ,प्याज : ३५ ग्राम ,लहसुन : १० ग्राम,टमाटर : ५० ग्राम
बनेबाक विधि :-
माछ के धो लिअ आ एकरा हरदि आ नमक मिला के तरि लिअ । प्याज, लहसुन, सरसों आ काटल टमाटर के पीस के तैयार राखू ।


लोहिया (कराही) मे तेल गरम करू । एहि मे थोड़े सरसो दऽ दियौक । एकर बाद प्याज आ लहसुन पिसलाहा के ओहि मे दिऔ आ एकरा फ्राय करू । एकर बाद सरसों पीसल लोहिया मे दियौ आ ओकरा मद्धिम आँच पर पकाऊ । मसाला पाकि गेला पर ओहि मे टमाटर मिला दिऔ आ ओकरो पकाऊ । सभ सँ अंत मे तरल माछ दऽ दिऔ आ एकरा आन मसाला सभक संग नीक सँ मिला दिऔ । एकर बाद पानि दऽ दिऔ आ ५-७ मिनट तक एकरा बड़काऊ । गरम-गरम मारा माछक झोर हरियर धनिया पात मिला के आनंद सँ खाउ ।


लटपट मारा:-


सामग्री :-
मारा माछ : ४०० ग्राम,सरसों पीसल : १०० ग्राम,पीसल हरियर मेरचाइ : २५ ग्राम
नमक : स्वादक अनुसार,हरदि पाउडर : ५ ग्राम,प्याज पीसल : ३० ग्राम ,सरसों तेल : १०० मि०ली०
बनेबाक विधि :-
धोलाक बाद माछ के नमक, हरदि आ पीसल प्याज मे मिला लिअ । हरियर मिरचाइ आ सरसों के पीस के तैयार राखू ।


एकटा लोहिया (कड़ाही) मे तेल गरम करू आ ओहि मे नमक, हरदि आ प्याज मेलाओल मारा माछ के दऽ दिऔ । ५-७ मिनट तक एकरा हिला-डुला के फ्राय करू । एहि मे सरसों आ हरियर मिरचाइ पीसलाहा के मिलाउ आ माछक संग ८-१० मिनट तक पकाउ । आँच पर सँ उतारि लिअ आ काँच सरसों तेल मिला दिऔ । चीरल हरियर मिरचाइक संग आब एकरा आनंद सँ खाउ ।






माछ :-(गोल माछ, तरल आ सरसोंक संग पकाओल)


सामग्री :-


गोल माछ (रोहू/कटला) : ८ टुकड़ी,सरसों : ५० ग्राम,सरसों तेल : २०० मि०ली०
प्याज : २०० ग्राम ,लहसुन : ५० ग्राम,टमाटर : ७५ ग्राम,ताजा धनिया पत्ता
नमक : जरूरत के अनुसार,लाल मिर्च पाउडर : १० ग्राम,हरदि ५-७ ग्राम,नेबोक रस : ऐच्छिक
बनेबाक विधि :-
माछ के धो लिअ आ एकरा नमक, हरदि, ५० ग्राम पीसल प्याज, नेबोक रस, काटल टमाटर, काटल लहसुन आ प्याज मे मिला के राखि लिअ । खूब महीन के सरसों पीस लिअ ।


लोहिया (कराही) मे तेल गरम करू । माछ के तरि लिअ आ अलग सँ राखि लिअ । फेर तेल गरम करू आ ओहि मे सरसोंक दाना दऽ दिऔ । तकरा बाद लहसुन आ प्याजक टुकड़ा दिऔ । भूरा रंग होइ तक फ्राय करू । पिसलाहा सरसों दिऔ आ १० मिनट तक कम आँच पर फ्राय करू । बाद मे टमाटर दऽ दिऔ आ कने काल और फ्राय करू । पानि मिला दिऔ आ बड़कय दिऔ आ अंत मे तरल माछ एहि मे खसा दिऔ । कम आँच पर १०-१२ मिनट आर गरम करू । आब माछ बनि के तैयार अछि ।
डोकाक झोर:-
मिथिलांचल मे लोक डोका या घोंघाक उपयोग सामान्यतया बरसातक मौसम मे करैत अछि । एहि समय मे ई धानक खेत मे पर्याप्त मात्रा मे पाओल जाइत अछि आ तें एकर उपयोग सेहो बेसी होइत
अछि ।
सामग्री:-
डोका या घोंघा : ४०० ग्राम,प्याज : १५० ग्राम,लहसुन : २० ग्राम,अदरक : २० ग्राम
सरसों तेल : ७५ मि०ली०,धनिया पाउडर : २५ ग्राम,जीरा पाउडर : २५ ग्राम
लाल मिर्च पाउडर : १५ ग्राम,नमक : आवश्यकता के अनुसार
सबटा गरम मसाला : छोटी आ बड़ी इलायची, दालचीनी, लौंग आदि
काटल टमाटर : ७५ ग्राम (ऐच्छिक)


बनेबाक विधि :-डोका के शेल सँ अलग करू । अदरक, लहसुन आ प्याज के पेस्ट बनाउ । डोका के उबालि के राखि लिअ । डोका के कनेक नमक संग नीक सँ तरि लिअ आ अलग सँ राखि लिअ । कराही मे तेल के गरम करू । गरम भेला पर सबटा गरम मसाला ओहि मे दऽ दियौ । एकरा कड़क होमय दियौ । आब एहि मे प्याज, अदरक आ लहसुनक पेस्ट दऽ दियौ आ एकरा भूजू जा धरि की ई भूरा रंग के नहि भऽ जाय । आब पाउडर वला मसाला दऽ दियौ आ एकरो भूजू । फेर टमाटर दऽ दियौ आ एकरा सेहो भूजू । भूजल डोका के मसाला मे मिलाउ आ एहि मे पानि दियौ । ८-१० मिनट धरि एकरा गरम करू । अंत मे काटल धनिया पात मिला के एकरा परसू ।
एकर अलावा डोका के महीन काटि के ओकरा उपर्युक्त तरीका सँ भूजि के तैयार केलाक बाद चावलक संग सेहो नया दिश बनओल जा सकैत अछि ।


काँकोरक चोखा:-
सामग्री :-
काँकोर (मध्यम आकारक) - ८ टा,हरियर मिरचाइ - २-३ टा,सरसों तेल - १०-१५ मि०ली०
प्याज - २० ग्राम,नोन - स्वाद के अनुसार ,नेबोक रस - किछु बूँद


बनेबाक विधि :-काँकोर के धो लिअ आ प्याज आ हरियर मिरचाइ के महीन सँ काटि लिअ । काँकोर के चुल्हा मे ता धरि पका लिअ जा ओकर ओकर बाहरी परत कारी ने भऽ जाय । शेल के माँ सँ अलग करू । आब काँकोर के थकुचि लिअ । ओहि मे हरियर मिरचाइ, नोन, प्याज, नेबोक रस मिला दियौ आ नीक सँ सानि दियौ । एकरा अतिरिक्त डिश के रूप मे चावल या मकै के रोटी के संग खाऊ ।
मासु (मटन कड़ी):-


सामग्री:-
सरसों तेल,जीरा,सबटा गरम मसाला,प्याज - ६ टा महीन काटल
लहसुन आ अदरक के पेस्ट - २-३ चम्मच,धनिया पाउडर - २ चम्मच
मिर्च पाउडर - २ चम्मच,टमाटर - १ टा नमहर,मासु - आधा किलो,नमक - स्वाद के अनुसार
बनेबाक विधि :-
कराही मे सरसों तेल गरम करू । एहि मे जीरा दऽ दियौ आ एकरा फूटय दियौ । तुरंत सबटा गरम मसाला मिला दियौ आ एकरा कड़कय दियौ । आब काटल प्याज दऽ दियौ । प्याज के कनेक लाल होमय दियौ । आब लहसुन आ अदरक के पेस्ट मिला दियौ । हल्दी, धनिया आ लाल मिर्च पाउडर के २ चम्मच पानि मे पेस्ट बना लिअ आ एकरा कराही मे दऽ दियौ । काटल टमाटर के सेहो एखने मिला दियौ । नीक सँ सब किछु के मिला दियौ । जहन मसाला आधा पाकि जाय तँ एहि मे मासु मिला दियौ। आँच तेज कऽ दियौ आ मासुक टुकड़ी के २-३ मिनट धरि पकाउ । लगातार लाड़ैत रहू। आँच के कम कऽ दियौ । आब ढ़कि के बनाउ । एकरा लगातार लाड़ैत रहू ताकि गरम मसाला बरतन के पेन मे नहि लगैक । यदि मसाला लागय लगै तँ कनेक पानि मिला दियौ । एहि समय मे नमक मिला दियौ । जहन मसाला सँ तेल अलग होमय लागय तँ १० मिनट धरि बिना ढ़कने बनाउ। आब एहि मे गरम पानि मिला दियौ आ एकरा उबलय दियौ । जहन झोर तैयार भऽ जाय तँ आँच के बंद कऽ दियौ । आब मासु तैयार अछि ।
चिड़ैयाक मासु :-
चिड़ैया पालतू पक्षी नहि अछि । एकर शिकार कएल जाइत अछि । मिथिलांचल मे लोक चिड़ै के चमड़ा सहित बनायब पसंद करैत छथि, ताकि एकर मूल स्वाद विद्यमान रहैक ।
सामग्री:-
चिड़ैया - १,प्याज - ५०० ग्राम,अदरक - ३० ग्राम,लहसुन - ३० ग्राम,हल्दी पाउडर - ३० ग्राम
धनिया पाउडर - ३० ग्राम,मिर्च पाउडर - १० ग्राम,जीरा पाउडर - ३० ग्राम
सरसो तेल - ३० ग्राम,सबटा गरम मसाला,हींग (ऐच्छिक) - ४-५ ग्राम,काटल धनिया के पत्ता
बनेबाक विधि :-
चिड़ैया के धो कऽ साफ करू आ तेज आँच पर टाँगि दियौ । १०० ग्राम प्याज के अदरक आ लहसुन के संग पेस्ट बना लिअ आ बाँकी प्याज के काटि लिअ । चिड़ैया के काटि लिअ आ नमक, हल्दी आ कनेक सरसों तेलक संग तरि लिअ । कराही मे तेल गरम करू आ एहि मे सभटा गरम मसाला दऽ दियौ । जहन इ कड़कय लागय तँ एहि मे प्याज मिला दियौ । कनेक नमक दऽ दियौ । अदरक, लहसुन आ प्याज के पेस्ट दऽ दियौ । आब एकरा फ्राय करू । पाउडर वला मसाला दऽ दियौ आ ८-१० मिनट धरि पकाउ जा धरि कि मसाला के कच्चापन ने खतम भऽ जाय । तरल मासु के मिला दियौ आ एकरा मसाला के मिश्रणक संग फ्राय करू । मासु के ढ़कबा धरि एहि मे पानि मिला दियौ। १० मिनट धरि बड़कय दियौ जा धरि की मासु सिद्ध ने भऽ जाय । एहि मे एक चम्मच घी मिला दियौ । एहि मे काटल धनिया पत्ता मिला के एकरा परसू ।

II श्री सरस्वत्यै नमः II

II श्री सरस्वत्यै नमः II
ॐ शुक्लांब्रह्मविचारसार परमामाद्यां जगद्व्यापिनीं I वीणापुस्तक धारिणींमभयदां जाड्यान्ध्कारापहाम् II हस्तेस्फाटिकमालिकां विदधतीं पद्मसनेसंस्थितां I वन्देतांपरमेश्वरींभगवतीं बुद्धिप्रदाम शारदाम् II

माछक महत्व


हरि हरि ! जनम कि‌ऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पल‌इ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कब‌इ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खा‌एब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म कि‌ऎ लेल !
हरि हरि.



पग पग पोखैर पान मखान , सरस बोल मुस्की मुस्कान, बिद्या बैभव शांति प्रतिक, ललित नगर दरभंगा थिक l

कर भला तो हो भला अंत भले का भला

समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हमअहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........

अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........

एकता विकास के जननी छै

जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)


अहाँ अपन अमूल्य समय जे हमर ब्लॉग देखै में देलो तही लेल बहुत - बहुत धन्यवाद... !! प्रेम स कहू" जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल(बिहार),जय श्यामा माई -

अपना भाषा मै लिखू अपन बात

अपनेक सुझाव वा कोनो नव जानकारी निचा मै जरुर लिखू l

HTML Comment Box is loading comments...
Text selection Lock by Hindi Blog Tips

कतेक बेर देखल गेल