(६) श्री भीमेश्वर :-
इ ज्योतिर्लिंग के बारे मै किछु बिवाद अछि शिवपुराण के कथा अनुसार श्री भीमेश्वर असम प्रदेशक गोहाटी के नजदीक ब्रह्मपुत्र पहाड़ पर अवस्थित एहि ज्योतिर्लिंगक कथा पुराण मे निम्न लिखित अछि :-
प्राचीन समय मे भीम नामक एक महाप्रतापी राक्षस छल। ओ कठिन तपस्या कऽ ब्रह्माजी सँ त्रिलोक विजयी हेबाक वरदान प्राप्त कयलनि । त्रिलोक विजयी भीम कामरूपक परम शिव भक्त राजा सुदक्षिण पर आक्रमण कऽ हुनका बन्दी बना कारावास दऽ देलनि । राजा ओहि समय मे पार्थिव शिवलिंगक पूजा करैत छलाह । हुनका एहि तरहें पूजा करैत देखि क्रोधित भऽ भीम अपन तलवार सँ ओहि पार्थिव शिवलिंग पर प्रहार कऽ देलनि । तत्काल भगवान शिव प्रकट भऽ हुँकार मात्र सँ ओहि राक्षस केँ भस्म कऽ देलनि आओर सुदक्षिण व ऋषि मुनि सभ कें प्रार्थना स्वीकार कऽ भगवान शिव सभ दिन के लेल ज्योतिर्लिंग के रूप मे वास करए लगलाह । हुनक ओ ज्योतिर्लिंग भीमेश्वर नाम सँ विख्यात भेल ।
किछु लोग के कथन अनुसार मुंबई स पूरब और पूना स उत्तर मै भीमा नदी के किनार मै स्थित अछि ,
इ स्थान नासिक स लगभग १२० मिल दूर एकटा डाकिनी नाम के शिखर पर स्थित अछि। इहो ओ ज्योतिर्लिंग भीमाशंकर नाम सँ विख्यात भेल । नैनीताल जिला के उज्जनक नामक स्थान मै एकटा शिवमंदिर अछि, हुनक ओ ज्योतिर्लिंग भीमाशंकर नाम सँ विख्यात भेल ।

0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें