संबाद@:-प्रभात राय भट्ट
संबाद !!
काका:- सुन रे बौआ देशक हाल बड बेहाल छै
जनता के लुईट लुईट चोर नेता सभ नेहाल छै
भतीजा:- सुन हो काका गामक छौरा सभ भSगेलैय चोर डाका
लुईट लुईट आनक धन ताडिखाना में उड़बैय छै टाका
काका:- कह रे बौआ पैढ़लिख तोहूँ आब करबे की ?
भेटतहूँ नहि कतहु नोकरी चाकरी कह तोहूँ आब करबे की ?
भतीजा:- पैढ़लिख हम नेता बनब काका करब देशक सेवा
भूख गरीबी दूर भगा करब हम जनसेवा
काका:- देश डुबल छै कर्जा में बौआ नेता सभक खर्चा में
भ्रष्टाचारी नेता सभक नाम छपल छै अख़बार पर्चा में
भतीजा:- भ्रष्टाचारी नेता सभ कें मुह कारिख पोती गदहा चढ़ाऊ
राजनीती में कुशल सक्षम युवा सभ के आगू बढ़ाऊ
काका:- जे जोगी एलई काने छेदेने नै छै ककरो ईमान रौ
कायर गद्दार नेता सभ बेच देलकैय स्वाभिमान रौ
भतीजा:- क्रांतिकारी युगांतकारी युवा नेता में दियौ मतदान यौ
सुख समृद्धवान देश बनत ,बनत सभ कें अपन पहिचान यौ
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट
माछक महत्व
हरि हरि ! जनम किऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पलइ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कबइ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खाएब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म किऎ लेल !
हरि हरि.
कर भला तो हो भला अंत भले का भला
समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हम
अहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........
अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा
darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........
एकता विकास के जननी छैजय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)
0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें