जय मैथिली" जय मिथिला" जय मिथिलांचल" !!!जय श्यामा माई !!!!!सुस्वागतम- सुस्वागतम!!! समस्त पाठकगन के ब्लॉग पर स्वागत अछि |
समस्त मिथिला बंधुगनकें "ललन दरभंगावालाक" प्रणाम...मैथिल छी हम इए हमर पहचान" अपनें समस्त Site Viewers कें हमर एहि ब्लॉग पर बहुत बहुत स्वागत अछि" हम अपने सभक लेल ब्लॉग प्रस्तुत केने छी,तही हेतु इ ब्लॉग पर एक बेर जरुर धयान देब ...और अपन सुझाब ,कोनो तरहक रचना,चुटकुला वा कोनो तरहक समाचार जरुर मेल करब....

जालवृत्तक संगी - साथी |

गुरुवार, 10 फ़रवरी 2011

~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~


( जिंदगी मेs सभ चीजक सदिखन बहुत महत्व होइत अछि ! चाहे मानव हुअए या कुनू दानव या स्वर्गक भगवान ! ओही शब्द s याद कराबय लेल हम आइ दरभंगावाला (मैथिली ब्लॉग) पर "बहुत महत्वक जे अछि, से" एकगोट छोट सन् शब्द कोस डिक्सनरी लऽsकऽs पाठकगण के समक्ष उपस्थित छी ! )



~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~

दरभंगा के आम मुधुबनी के मखान और मिथिला सम्मान के बहुत महत्व अछि .....
फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि ..
तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......

विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....

जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......

शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....
 
कपरा मै सिलाई के बिस्तर मै रजाई के और घर मै भौजाई के बहुत महत्व अछि .....
बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....

लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....

आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs बिचलाटोल  के, बहुत महत्व अछि .....
राती मै भोर के स्त्री मै गोर के महफ़िल मै शोर के बहुत महत्व अछि .....
घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....

रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....

सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...

जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....

साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....

नाचैय मेs मोर के,मेला  मेs शोर  के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....

भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...

अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....

प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....
नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....

दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....

सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....

पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....

गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....

नवी मुंबई  मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....

व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....

सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....

सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....

घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, मुंबई  मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....

बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....
गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....
नाली मै चाली के कान मै बाली के दुध मै छाली के बहुत महत्व अछि .....
मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....

फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......

पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....
दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....
बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....

केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....
बाग़ मै माली के गाल मै लाली के ससुराल मै साली के बहुत महत्व अछि .....
कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के, कवि में विस्वविखायत के , बहुत महत्व अछि ..........


जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)

0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:

एक टिप्पणी भेजें

II श्री सरस्वत्यै नमः II

II श्री सरस्वत्यै नमः II
ॐ शुक्लांब्रह्मविचारसार परमामाद्यां जगद्व्यापिनीं I वीणापुस्तक धारिणींमभयदां जाड्यान्ध्कारापहाम् II हस्तेस्फाटिकमालिकां विदधतीं पद्मसनेसंस्थितां I वन्देतांपरमेश्वरींभगवतीं बुद्धिप्रदाम शारदाम् II

माछक महत्व


हरि हरि ! जनम कि‌ऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पल‌इ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कब‌इ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खा‌एब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म कि‌ऎ लेल !
हरि हरि.



पग पग पोखैर पान मखान , सरस बोल मुस्की मुस्कान, बिद्या बैभव शांति प्रतिक, ललित नगर दरभंगा थिक l

कर भला तो हो भला अंत भले का भला

समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हमअहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........

अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........

एकता विकास के जननी छै

जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)


अहाँ अपन अमूल्य समय जे हमर ब्लॉग देखै में देलो तही लेल बहुत - बहुत धन्यवाद... !! प्रेम स कहू" जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल(बिहार),जय श्यामा माई -

अपना भाषा मै लिखू अपन बात

अपनेक सुझाव वा कोनो नव जानकारी निचा मै जरुर लिखू l

Comments

trilok jha

ahank e kavita bad nik aich

Not using Html Comment Box  yet?
Text selection Lock by Hindi Blog Tips

कतेक बेर देखल गेल