मिथिला युवा बंधू के लेल खाश !!
हर साल अपन मिथिला म हजारो जोरा विवाह के अटूट बन्धन स बनधैत छैथ ! अई शुभ अवसर पर हम सब मिथिला वासी अपन होई बला (जीवन - शाथी) क एक स बैढ़ क एक अनोखा उपहार दैत छलो ! प्रेम आर विश्वास के इ बंधन पवित्र रिश्ता स शुरू होई या ! हमरा सब क़ सोचबाक चाही की अगर हम सब अपन नव विवाहिता क उपहार स्वरुप दी अनोखा सात फेरा के सात वचन जे हुनका बनाबें किछ खाश त कते निक हेत ? सात फेरा हम सब लगबे छी ! अहू आइ नै त कैल लगेबे करब त आओ मन म ठेंन लिया की जहिया आहा सात फेरा लगेब तहिया अपन जीवन शाथी क देवै उपहार स्वरुप सात फेरा के सात वचन ! आहक उपहार स्वरुप सात फेरा के सात वचन अई तरह के भो सके या ?
वचन - १, जीवन पथ पर चलैत - चलैत कखनो अगर कुनू तरहक तकरार पत्नी स हेत त पत्नी क मनाबे के लेल आहा अपन पुरुष अहं दूर रखैत हुनका मनाबे के पूरा कोशिश और अपन गलती माने के बरप्पन देखाबी ! अई स आहा दुनु के बिचक प्रेम दुगुनित हेत !
वचन - २, विवाह के दिन (Wedding Annivarsary) निक जका याद राखी अई स हुनकर (पत्नी) मन जीते म आसानी हेत ! फेर आहा साल भैर जे चाही के सके छी, अनायास आहा क आजादी मिल जेत !
वचन - ३, हम (पति) कखनो इ नै भूली की हम आर हमर नौकरिये सब किछ छी ! योजी महाराज अहाक खाली समय और छुट्टी पर हुनके (पत्नी) के अधिकार छैन !
वचन - ४, एक बात के ख़याल राखल करू की पत्नी के और हुनकर परिवारक सम्मान कारियोंन हुनका किनको सामने अपमानित नै कारियोंन !
वचन - ५, पत्नी आहाके परमेश्वर मनेथ इ उम्मीद नै करेत स्वयं निक इंसान हुनकर दृष्टि म बने के प्रयास करी, ओ अपने के हर ख़ुशी क़ अपन ख़ुशी मनेथ तयो इ कोशिश राखी की हुनका कुन बात स ख़ुशी मिलैत छैन जाने के प्रयाश करी !
वचन - ६, पत्नी अगर अर्धाग्नी कहलाबेत छैथ त हुनका सच्चा दोस्त मानेत हमराज़ बनाबे के प्रयाश कारियों, हुनका स कुनू बात, दुःख, परेशानी नै छुपाबियोंन ! इ कसम अग्नि क साक्षी मानेत खेबाक चाही !
वचन - ७, प्रेम आर विश्वास के इ बंधन एक पवित्र रिश्ता स शुरुवात होइत आइछ, जाकरा सवारे के दायित्व दुनु के होई या अतः कुनू तरहक अहं नै राखेत हुनका सदैव दोस्त मनैत अधिकार आर सम्मान बराबर देबाक चाही !
हम जाने छी इ बात हमर किछ युवा बंधू क पसंद नै हेत तयो अपने स अनुरोध जे इ बात क अपन जिन्दगी म उतैर क देखब ? बाद म देखियो आहा के जिन्दगी कतेक अनमोल बने या !!
सोमवार, 23 अगस्त 2010
II श्री सरस्वत्यै नमः II
![II श्री सरस्वत्यै नमः II](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEiQIymATB8pcUsuLcn75eXbhzblEZFTAZPZP1RWaGcJddYqdb_7dwEpI7F1lQMxwu7OisIDjB6lMVg47KSoKwEWZK__-REG1QzN2ELOKiIqsfSe2ZT6WU0X6fch0ZBZmjnuUBgxs74yOclR/s730/goddess_saraswati_wallpaper10.jpg)
ॐ शुक्लांब्रह्मविचारसार परमामाद्यां जगद्व्यापिनीं I वीणापुस्तक धारिणींमभयदां जाड्यान्ध्कारापहाम् II हस्तेस्फाटिकमालिकां विदधतीं पद्मसनेसंस्थितां I वन्देतांपरमेश्वरींभगवतीं बुद्धिप्रदाम शारदाम् II
माछक महत्व
हरि हरि ! जनम किऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पलइ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कबइ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खाएब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म किऎ लेल !
हरि हरि.
![](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEj3-_xuVgZF4mOwVHb4fFni6QtfQmsxrTfBDD3QcwG6-b-QPqZoENNX9HlD_4GH7Uonnb9m3Z6iXVSPT-Mta5AQLKfdL-DlcgjXAWPku1UYJYd13QNX5H8buqyoE1koM4n4CapUlc9fgjZI/s730/image001.jpg)
पग पग पोखैर पान मखान , सरस बोल मुस्की मुस्कान, बिद्या बैभव शांति प्रतिक, ललित नगर दरभंगा थिक l
कर भला तो हो भला अंत भले का भला
समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हमअहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........
अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........
एकता विकास के जननी छै
जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)
एकता विकास के जननी छै
जय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)
अपना भाषा मै लिखू अपन बात
अपनेक सुझाव वा कोनो नव जानकारी निचा मै जरुर लिखू l
HTML Comment Box is loading comments...
कतेक बेर देखल गेल
Powered by graphicdesignschooldirectory.com . |
0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें