मटका फोर (दहिहंडी)
दरभंगा जिला मै हायाघाट प्रखंड के आनन्दपुर सहोड़ा ग्राम मै नवयूवक मित्र
मंडल के तरफ स २००२ मै मटका फोर (दहिहंडी) के सुरुआत भेल ,ओना आनन्दपुर
सहोड़ा ग्राम मै जन्माष्टमी के त्योहार बहुत धूम धाम स मनायल जायत अछी |
जन्माष्टमी मै बहुत भीर भार मेला मै देखल जायत अछी लोग दूर- दूर स मेला
देखबा लेल आबैत छैथ , जन्माष्टमी और मटका फोर (दहिहंडी) दुनु के सुरुआत
बरका दलान स भेल ,आब मटका फोर (दहिहंडी)
बहुतो जगह मनायल जायत अछी | २००२ मै ललन जी ,विवेका नन्द जी ,रमण जी ,मनोज
जी ,सोहन जी और भी बहुतो नवयूवक मित्र मंडल के कार्यकर्ता सब के सहयोग स
सुरुआत भेल और दहिहंडी फोरबाक सौभाग्य अमित चौधरी जी के प्राप्त भेलैन |
एही बेर २०१३मै अपन बारहम मटका फोर (दहिहंडी) नवयूवक मित्र मंडल के नया -
नया कार्यकर्ता सब के सहयोग स मनायल जा रहल हन |
हकार- हकार -हकार..........सब गोटे सादर आमंत्रित छि ......... |
जय श्रि कृष्णा ..
जय मैथिली जय मिथिला
हमरा गामक मटका फोर उत्सबक एक झलक ...मटका
लगाबैत किछु नवयूबक
https://www.facebook.com/photo.php?fbid=496531750434010&set=a.485187701568415.1073741825.485170854903433&type=1&theater
माछक महत्व
हरि हरि ! जनम किऎक लेल ?
रोहु माछक मूड़ा जखन पैठ नहि भेल ?
मोदिनीक पलइ तरल जीभ पर ने देल !
घृत महँक भुजल कबइ कठमे ने गेल !
लाल-लाल झिंगा जखन दाँ तर ने देल !
माडुरक झोर सँ चरणामृत ने लेल !
माछक अंडा लय जौं नौवौद्य नहि देल !
माछे जखन छाड़ि देब, खाएब की बकलेल!
सागेपात चिबैबक छल त जन्म किऎ लेल !
हरि हरि.
कर भला तो हो भला अंत भले का भला
समस्त मिथिलांचल वासी स निवेदन अछि जे , कुनू भी छेत्र मै विकाश के जे मुख्य पहलू छै तकर बारे मै बिस्तार स लिखैत" और ओकर निदान सेहो , कोनो नव जानकारी या सुझाब कोनो भी तरहक गम्भीर समस्या रचना ,कविता गीत-नाद हमरा मेल करू हम
अहांक सुझाब नामक न्यू पेज मै नामक और फोटो के संग प्रकाशित करब ज्ञान बाटला स बढैत छै और ककरो नया दिशा मिल जायत छै , कहाबत छै दस के लाठी एक के बोझ , तै ककरो बोझ नै बनै देवे .जहा तक पार लागे एक दोसर के मदत करी ,चाहे जाही छेत्र मै हो ........
अहांक स्वागत अछि.अहां सभ अपन विचार... सुझाव... कमेंट(मैथिली या हिन्दी मै ) सं हमरा अवगत कराउ.त देर नहि करु मन मे जे अछि ओकरा लिखि कs हमरा
darbhangawala@gmail.com,lalan3011@gmail.com पर भेज दिअ-एहि मेल सं अहां अपन विचार... सुझाव... कमेंट सं हमरा अवगत कराउ. सम्पर्क मे बनल रहुं. ..........
एकता विकास के जननी छैजय मैथिली, जय मिथिला, जय मिथिलांचल (बिहार)
0 पाठकक टिप्पणी भेटल - अपने दिय |:
एक टिप्पणी भेजें